Home / बातचित / कर बिरुद्ध कांग्रेसक आन्दोलन कोना रुकल बुझहीमे नहि आएलः धीरेन्द्र मोहन झा, युवा नेता नेपाली कांग्रेस

कर बिरुद्ध कांग्रेसक आन्दोलन कोना रुकल बुझहीमे नहि आएलः धीरेन्द्र मोहन झा, युवा नेता नेपाली कांग्रेस

जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाद्वारा बढाओल गेल कर आ अनियमितताके लऽ कऽ नेपाली कांग्रेस आन्दोलन कएलक आ फेर आन्दोलन वार्ताक बाद स्थगित कएल गेल । एहि आन्दोलनसँ जनकपुरधामक जनताके कि भेटलैक ? एहि सहित समसामयिक विषयमे कांग्रेसक युवा नेता धीरेन्द्र मोहन झासंग दूधमतीक सम्पादक सुजीत कुमार झा बातचित कएलन्हि ।
प्र. जनकपुरधाम उपमहागरपालिकामे बढाओल गेल कर बिरुद्ध नेपाली कांग्रेस बडका आन्दोलनके घोषणा कएने छल मुदा बिना कर घटौने आन्दोलन स्थगित कएल गेल अछि किए ?
ई बात हमहुँ नहि बुझए सकल छी । नेपाली कांग्रेस नगर समिति आन्दोलनक घोषणा कएने छल मुदा आन्दोलन बिना निश्कर्षमे पहुचौने किए एना करए पडल नगर समितिएके पदाधिकारी कहि सकैत छथि ।
प्र. अपनेके कि लगैत अछि ?
किछु लोक आन्दोलनमे छलथि आ किछु लोक मिलाबएमे इएह कारण आन्दोलन आगा नहि बढए सकल ।

जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाक प्रमुख लालकिशोर साहके आश्वासन किए देबए पडतैक ओहिके लेल ज्योतिषीसँ दिन देखाबए पडतैक । ओ फिर्ता किए नहि लेलथि आ जाधरि फिर्ता नहि लेल गेल ताधरि आन्दोलन रोकबाक औचित्य हम नहि देख रहल छी । 

प्र. मिलाबएबला सेहो कांग्रेसीए रहैथ कि ?
हँ, फेर ई ककरोसँ नुकाएल नहि छैक । मुदा नेतृत्व वर्गके सोचबाक चाही किए आन्दोलन शुरु कएलन्हि आ किए निश्कर्षमे नहि पहुँचते स्थगित कएलन्हि । एहिसँ कांग्रेसके क्षति भेल अछि ।


प्र. कहल जाइत छैक जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाक प्रमुख लालकिशोर साह नेपाली कांग्रेसके आश्वासन देलन्हि अछि जे जल्दिए बढाओल कर फिर्ता लेत ?
आश्वासन किए देबए पडतैक ओहिके लेल ज्योतिषीसँ दिन देखाबए पडतैक । ओ फिर्ता किए नहि लेलथि आ जाधरि फिर्ता नहि लेल गेल ताधरि आन्दोलन रोकबाक औचित्य हम नहि देख रहल छी ।
प्र. बिजुली बलमे भेल भ्रष्टाचारक मुद्दा तऽ नेपाली कांग्रेस छोडिए देलक अछि ?
आन्दोलनमे उठौने छल मुदा जखन बढाओल गेल करक मुद्दा समाप्त भऽ गेल तऽ आओर मुद्दा कि बाँकी रहत ।
प्र. अपनहुँ कांग्रेसक नगर सभापति रहैत काल आन्दोलन कएने छलियैक ओहु समयमे अहिना देखिते देखिते आन्दोलन समाप्त भऽ गेल छल ?
नहि, तहिआ एना नहि भेल छलैक । हमसभ अनशन कएने छलहुँ आ २१ दिनधरि अनशन चलल छल । केन्द्रिय टोली आबि कऽ हमरासभ संग वार्ता कएने छल । छानविन समिति गठन भेल रहैक । एना आन्दोलन नहि होइत छैक ।
प्र. एहिके लऽ कऽ कांग्रेस नेता विमलेन्द्र निधि सहित अन्य नेताके किए नहि कहलियैक ?
हुनकासभके थोरे ने बुझल छन्हि । छोटको बात सभके बुझएमे आबि जाइत छैक ।

कांग्रेसके जिल्ला अधिवेशनमे संतोष यादव समूहसँ सचिवमे उम्मेदवारी देने रही । सहमतिसँ जिल्ला सभापति सचिव सभ छनौट भऽ गेलैक ।

प्र. कनी प्रसंग बदली, अपन आई काल्हि ओतेक सक्रिय नहि देखएमे आबि रहल छी ?


नहि, तेहन बात नहि छैक । हम सक्रिय छिहे । इएह शनि कऽ धनुषाक बाहुनमारामे क्षेत्र नम्बर ४के क्षेत्रीय भेला भेल छल । भेलामे महेन्द्र यादव, संतोष यादव, कुमरकान्त झा, योगी पजियार हमसभ सक्रिय भऽ कऽ सहभागि भेल छलहुँ ।
प्र. मीडियामे कोनो चर्चा परिचर्चा नहि ?
मीडिया क्षेत्र नम्बर ३पर बेसी केन्द्रित भेलाक कारण एना भऽ गेल छैक आ विडम्वना कही क्षेत्र नम्बर ३के कार्यक्रममे हमरासभके पुछे नहि अछि तएँ हमसभ ओतेक ओम्हर नहि जाइत छी ।
प्र. बडकासँ लऽ कऽ सभ नेता अपने क्षेत्रपर बेसी केन्द्रित रहैत छथि एकर कारण कि भऽ सकैत अछि ?
कांग्रेसक परम्परे कहए सकैत छियैक । सभ नेता अहिना करैत छथि । एकरे निरन्तरता हमरो सभके बुझु फेर कोनो तेहन पदपर नहि छी जे जिल्लाभरि घूमैत रही ।
प्र. अपने नेपाली कांग्रेसमे अखन कोन गुटमे छियैक ?
सभके बुझल छैक हम कोन गुटमे छी । कांग्रेसके जिल्ला अधिवेशनमे संतोष यादव समूहसँ सचिवमे उम्मेदवारी देने रही । सहमतिसँ जिल्ला सभापति सचिव सभ छनौट भऽ गेलैक ।

महेश शंकर गिरी सहमतिसँ जिल्ला सभापति भेल छथि ओहो सहमतिए हिसाबसँ कमिटी विस्तार करताह । 

प्र. कोनो पदपर आबएके सोचमे छियैक कि ?
अखन किछु नहि छैक कांग्रेसक जिल्ला अधिवेशन समयमे मात्रे तेहन पद बटाइत छैक वा ई कही स्थान भेटैत छैक । तखन जिल्ला कमिटी विस्तार करबाक छैक । महेश शंकर गिरी सहमतिसँ जिल्ला सभापति भेल छथि ओहो सहमतिए हिसाबसँ कमिटी विस्तार करताह ।

About Sujeet Jha

Check Also

मठ मन्दिर वरिपरी मद्यमांश खायो भने जनकपुरधाम चम्किन्छ सोच राख्नु गलतः मुरलीमनोहर मिश्र, युवा अभियानी

प्र. परिक्रमा सडक भित्र मद्यमांश नियन्त्रण गर्ने अभियानमा तपाई लाग्नु भएको छ त्यो अभियान कहाँसम्म …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com