Home / बातचित / अपना जे फाइदा भेल ताहिमे मेयर लालकिशोर लागल रहैत छथिः धीरेन्द्र बहादुर सिंह, सचिव राष्ट्रिय जनता पार्टी, धनुषा

अपना जे फाइदा भेल ताहिमे मेयर लालकिशोर लागल रहैत छथिः धीरेन्द्र बहादुर सिंह, सचिव राष्ट्रिय जनता पार्टी, धनुषा

जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाक मेयर लालकिशोर साहक कामकाजसँ राजपाक नेता कार्यकर्तासभ सेहो असन्तुष्ट देखल जा रहल अछि । किछु नेता बराबर सामाजिक सञ्जालमे आलोचना हुनकर करिते रहैत छथि । आखिर असन्तुष्टिक कारण कि छैक एहि सम्बन्धमे राजपा धनुषाक सचिव धीरेन्द्र बहादुर सिंहसंग दूधमतीक सम्पादक सुजीत कुमार झा बातचित कएलन्हि ।


प्र. नगर प्रमुखक आई काल्हि अपने बहुत आलोचना कऽ रहल छियैक ?
अवश्य । हुनकर कामकाजसँ पार्टीके बहुत क्षति पहुँच रहल अछि । हमसभ भेटो कऽ कए बेर कहलियैन्हि अछि विकास काजमे ध्यान दिअ । पार्टी लाइन विपरित नहि जाउ । मुदा हुनकापर कोनो असर नहि पडि रहल अछि । फेर राजपा प्रजातान्त्रिक पार्टी अछि हमसभ आलोचना करबाक लेल स्वतन्त्र छी ।
प्र. नगर प्रमुख लालकिशोर साहसँ अपने चाहैत कि छियैक ?


व्यक्तिगत स्वार्थसँ उपर उठि कऽ काज करथि, पारदर्शी कामकाज करथि सडक विस्तारक नामपर जनकपुरधामक व्यापारी आ आमजन बहुत आहत भेल अछि । नक्सा पास भेल घरसभके तोडल गेल अछि । मुआब्जाक सम्बन्धमे कोनो बात नहि कऽ रहल छथि । अनावश्यक कर बढाओल गेल अछि ।

लालकिशोरजीके बढाओल कर फिर्ता लेबही पडतन्हि । पार्टीमे रहबाक छन्हि तऽ पार्टीके गाइडलाइन फलो करही पडतन्हि । हुनकासभके बजा कऽ अध्यक्ष महन्थ ठाकुर स्पष्ट निर्देशन देलखिन अछि जे घोषणापत्रके पूर्ण रुपसँ लागु करु ।

प्र. कर फिर्ताक सम्बन्धमे केन्द्रिय अध्यक्ष महन्थ ठाकुर तुरन्त फिर्ता लेबाक आदेश देलन्हि अछि मुदा ओ आदेशोके एक हप्ता भऽ गेल अछि ?

हँ, मुदा आब लालकिशोरजीके बढाओल कर फिर्ता लेबही पडतन्हि । पार्टीमे रहबाक छन्हि तऽ पार्टीके गाइडलाइन फलो करही पडतन्हि । हुनकासभके बजा कऽ अध्यक्ष महन्थ ठाकुर स्पष्ट निर्देशन देलखिन अछि जे घोषणापत्रके पूर्ण रुपसँ लागु करु ।


प्र. मेयरके डेढ करोडक गाडीके लऽ कऽ सामाजिक सञ्जालमे अपने खुब लिखलियैक अछि ?
स्वभाविक छैक मेयरके गाडीसँ पार्टीके बहुत नोक्सान भेल अछि । एक तऽ हुनका चढए लेल खासे दिक्कत नहि छलन्हि गाडी चढिते छलथि । ओ जँ नहिओ गाडीपर चढितथि तैयो होइतन्हि । बहुतो देशक प्रधानमन्त्री राष्ट्रपति साइकिलसँ अपन कार्यालयधरि जाइत देखल जाइत अछि । मुदा गाडीयो किनलथि ३०÷४० लाखमे बढियाँ गाडी होइत छैक । मुदा एतेक महँग किनबाक आवश्यक्ता नहि छल । एकर पैसासँ आओर काजमे खर्च कएल जा सकैत छल । एहिद्वारे हम हुनक आलोचना कएलियैन्हि अछि ।

सरकारी अफिसजकाँ १० बजेसँ ५ बजेधरि सडकके काज होइत अछि । एकर ठेक्केदार बलराम महतो नेपाल कम्युनिष्ट पार्टीके लोक अछि भऽ सकैत अछि राजपाके बदनाम करबाक लेल मन्द गतिमे काज कऽ रहल अछि । मुदा काजमे ढिलाई भऽ रहल बुझितो नगरप्रमुख चुप्प किए छथि आश्चर्य लागि रहल अछि । नगरमे बिजुली बल किनएके नामपर लाखो रुपैयाक भ्रष्टाचार भेल ओहु सम्बन्धमे मेयर एखनधरि चुप्पे छथि । 

प्र. नगरमे सडक आ ढल निर्माणक काजसँ अपने कतेक सन्तुष्ट छियैक ?


कनिको नहि । ई निर्माण जनकपुरधामक जनताक लेल राहत देबाक लेल अछि मुदा बहुतो व्यापारीके पलायनके कारण बनि रहल अछि । सरकारी अफिसजकाँ १० बजेसँ ५ बजेधरि सडकके काज होइत अछि । एकर ठेक्केदार बलराम महतो नेपाल कम्युनिष्ट पार्टीके लोक अछि भऽ सकैत अछि राजपाके बदनाम करबाक लेल मन्द गतिमे काज कऽ रहल अछि । मुदा काजमे ढिलाई भऽ रहल बुझितो नगरप्रमुख चुप्प किए छथि आश्चर्य लागि रहल अछि । नगरमे बिजुली बल किनएके नामपर लाखो रुपैयाक भ्रष्टाचार भेल ओहु सम्बन्धमे मेयर एखनधरि चुप्पे छथि ।
प्र. ल्याण्ड फिल्ड साइटके बजेट फिर्ता भेल अछि एहिपर अपने कि कहबैक ?
जनकपुरधामक लेल ई दुर्भाग्य अछि । मेयर विकासक नामपर निकम्मा सावित भऽ रहल छथि । एकर उदाहरण एहिसँ बेसी कि भऽ सकैत अछि । मेयर भेला एक वर्ष होबए लागल अछि मुदा एडिबीके बाहेक कोनो काज देखाएमे नहि आबि रहल अछि ।

 नातावाद कृपावादमे कर्मचारी नियुक्ति भेल अछि । पार्टीसँ कोनो सल्लाह नहि लेल गेल अछि । मधेश आन्दोलनमे एतेक लोक शहीद भेल, घाइल भेल हुनकसभक परिवारसभके कतहुँ स्थान देल जइतैक कोनो मतलब नहि । अपना जे फाइदा भेल ताहिमे मेयर लालकिशोर लागल रहैत छथि । 

प्र. नगरपालिकामे बहुतो कर्मचारी नियुक्ति कएलक अछि, पार्टीके पुछल गेल अछि कि नहि ?


नहि, किछु नहि । नातावाद कृपावादमे कर्मचारी नियुक्ति भेल अछि । पार्टीसँ कोनो सल्लाह नहि लेल गेल अछि । मधेश आन्दोलनमे एतेक लोक शहीद भेल, घाइल भेल हुनकसभक परिवारसभके कतहुँ स्थान देल जइतैक कोनो मतलब नहि । अपना जे फाइदा भेल ताहिमे मेयर लालकिशोर लागल रहैत छथि ।
प्र. कनी प्रसंग बदली, अपनेक राजनीति कोना चलि रहल अछि ?
मधेश आन्दोलनसँ हमसभ जन्मल छी । एखनो सडकेपर छी संघर्ष कऽ रहल छी ।
प्र. कहिआधरि अहिना चलैत रहत ?
जहिआधरि जनताक मागके सम्बोधन नहि हेतैक, मधेशी जनतासँ भेदभाव होइत रहत हमसभ सडकेपर रहब । लालकिशोरजी सभसन लोक पद पबिते परिवर्तन भऽ जाइत छथि, आन्दोलन बिसरि जाइत छथि मुदा हमसभ अहीठाम छी अहीठाम रहब ।

सातु प्रदेशसमे प्रदेश २ अपना हिसाबसँ काज कऽ रह अछि । विधेयकसभ सेहो दोसर प्रदेशसँ बेसी बनल अछि । संघीय सरकार एकरा सहयोग नहि करैत अछि एकरबादो काज कऽ रहल अछि । 

 


प्र. प्रदेश २के सरकारसँ अपनेसभ कतेक सन्तुष्ट छी ?
नीक काज कऽ रहल अछि । सातु प्रदेशसमे प्रदेश २ अपना हिसाबसँ काज कऽ रह अछि । विधेयकसभ सेहो दोसर प्रदेशसँ बेसी बनल अछि । संघीय सरकार एकरा सहयोग नहि करैत अछि एकरबादो काज कऽ रहल अछि ।

About Sujeet Jha

Check Also

मठ मन्दिर वरिपरी मद्यमांश खायो भने जनकपुरधाम चम्किन्छ सोच राख्नु गलतः मुरलीमनोहर मिश्र, युवा अभियानी

प्र. परिक्रमा सडक भित्र मद्यमांश नियन्त्रण गर्ने अभियानमा तपाई लाग्नु भएको छ त्यो अभियान कहाँसम्म …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com