Home / अभियान / दूधमतीके गन्दा करब अपराध अछि

दूधमतीके गन्दा करब अपराध अछि

कुन्दन झा ।
दूधमती नदी जनकपुरक संस्कृति, इतिहास बचाबएबला नदी अछि । ओहि संगे जनकपुरक पहिचान सेहो बनौने अछि । मुदा जे नदी जनकपुरके देश दुनीयामे नाम बनौने अछि आई ओकर पहिचान अपने समाप्त होबए लागल अछि । मुृदा जनकपुरवासी आई वएह नदीके तिरस्कारके दृष्टिसँ देख रहल अछि ।
जनकपुरके सार्वांगिन विकासक लेल चारु दिस आवाज उठि रहल अछि । मुदा ई यथार्थ किओ किए नहि बुझए पाबि रहल छथि जनकपुरक विकास ताधरि सम्भव नहि अछि जाधरि दूधमतीके उद्धार नहि कएल जाएत । तएँ आबो जनकपुरवासीके ई बातक चिन्तन कऽ दूधमतीके डुबैत नाउके पार लगाबए पड़त ।
एखन दूधमती घाइल अछि एहिमे कोनो सन्देह नहि अछि । तएँ एकर इलाजक लेल हमरा अहाँके एकटा अभियान चलौनाई अपरिहार्य भऽ गेल अछि । एहि अभियानक शुरुवात दूधमतीक उदगमस्थलसँ लऽ कऽ ओकर गन्तव्यमे सेहो मुहारक सरसफाई करब जरुरी अछि । तहिना दूधमतीक पानि जे कहिओ सफा रहैत छल ओकरा वएह स्वरुपमे अनबाक दिशामे सेहो काज करए पड़त । दूधमतीक पानि धुमिल होबएमे ओहिमे मिलाओल गेल गन्दा नालासभके सेहो कारक तत्व मानल जा सकैत अछि । एहन कुप्रवृतिके पश्रय देब एकदम निन्दनीय अछि । जाहि हिसाबसँ हुए एहन घृणित काजके रोकएके लेल स्थानीय स्तरसँ पहल करए पड़त । तखने दूधमती बचाबएके अभियानमे बल पहुँचत ।
ओना हम अपना दिससँ सेहो दूधमतीक संरक्षणक लेल प्रतिबद्ध छी आ रहब । यदि सभ कीओ मील कऽ दूधमतीक सफाइमे आगा आएल त ओ दिन दूर नहि अछि जे दूधमतीके पुरान स्वरुप नहि तऽ किछु हदधरि सफा पानि बहैत देख सकैत छी ।

About Sujeet Jha

Check Also

स्थानीय स्तरसँ संरक्षणक पहल हुए

विरेन्द्रलाल कर्ण नेता  राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी राष्ट्रवादी दूधमती जनकपुरक ऐतिहासिक आ धार्मिक महत्व अपन जलमे …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com