Home / बातचित / मेयर लालकिशोर वार्ड नम्बर ४के विकास नहि चाहैत छथिः सुदर्शन सिंह, वार्ड अध्यक्ष जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका ४

मेयर लालकिशोर वार्ड नम्बर ४के विकास नहि चाहैत छथिः सुदर्शन सिंह, वार्ड अध्यक्ष जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका ४

जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाक मेयर लालकिशोर साहक सभसँ बडका आलोचकके रुपमे वार्ड नम्बर ४के वार्ड अध्यक्ष सुदर्शन सिंह देखल जा रहल छथि । एहन आलोचक होबएके कारण कि भऽ सकैत अछि । एहि सहित विभिन्न समसामयिक विषयमे हुनकासंग दूधमतीक सम्पादक सुजीत कुमार झा बातचित कएलन्हि ।


प्र. जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाक मेयर लालकिशोर साहके आई काल्हि अपने बहुत आलोचना कऽ रहल छियैक एकर कारण कि छैक ?
मेयर साह मनमौजी ढंगसँ काज कऽ रहल छथि । जखन जे मोन लागल ओ करए लगैत छथि । एहनमे आलोचना स्वभाविक छैक । बजेटक विनियोजनमे सेहो मनमौजीए ढंगसँ काज आगा बढौलन्हि अछि ।

नगरसभामे हम उपस्थित अवश्य भेल रही । उपस्थितिमे हमर हस्ताक्षर अछि मुदा ओ निर्णयमे हमर कोनो हस्ताक्षर नहि अछि । 

प्र. बजेटमे केहन मनमौजी ?


जाहि वार्डमे २० हजार जनता छैक ओहि वार्डके आ जाहि वार्डमे १ हजार जनता छैक ओहि वार्डके समान रुपैया वितरण कएलन्हि अछि । जखन कि ई न्यायोचित नहि भेलैक । स्थानीय स्वायत्त शासन ऐन सेहो कहैत छैक जनसंख्या आ क्षेत्रफलके हिसाबसँ बजेट विनियोजन कएल जाए ।
प्र. एहि सवालपर मेयर साहबसँ किए नहि बात कएलियैक ?
कतेको बेर बात कएलियैक मुदा हुनका उपर कोनो फरक नहि पडल अछि । हम शुरुवेमे कहलहुँ जे मोनमे लगैत छन्हि से करए लगैत छथि । डिक्टेटरशिप चरित्र हुनकर हमरासभक लेल समस्याक कारण बनल अछि । हरेक समय चापलुसी चाहैत छथि ।

जाहि वार्डमे २० हजार जनता छैक ओहि वार्डके आ जाहि वार्डमे १ हजार जनता छैक ओहि वार्डके समान रुपैया वितरण कएलन्हि अछि । जखन कि ई न्यायोचित नहि भेलैक । स्थानीय स्वायत्त शासन ऐन सेहो कहैत छैक जनसंख्या आ क्षेत्रफलके हिसाबसँ बजेट विनियोजन कएल जाए ।

प्र. एहि बातके लऽ कऽ अन्य वार्ड अध्यक्षके फेवरमे लऽ कऽ सेहो मेयर साहबके बिरोध कऽ सकैत छलियैक ?


मेयर साहबलग जातिय अस्त्र छन्हि । एहि जातिके नामपर कांग्रेसीयो वार्ड अध्यक्षके अपना पक्षमे कऽ लेने छथि । हमरा लग अधिकांश वार्ड अध्यक्ष सिस्टमके बात करैत छथि मुदा जखने मेयर साहबके जातीय तिर चलैत छन्हि सब मिल जाइत छथि ।
प्र. मेयर साहबसंगे सभ कांग्रेसी मिल गेल छैक ?
नहि वार्ड नम्बर ९, १० आ १२के वार्ड अध्यक्षसभ आलोचने कऽ रहल छन्हि । ओसभ वार्डसंगे समग्र जनकपुरक विकासक बात करैत छथि । मुदा एहन लोक मेयर साहबके पसिन नहि छन्हि ।
प्र. नगर सभामे तऽ अपनहुँ मिल गेलियैक से जानकारी आएल अछि ?
गलत बात छैक । नगरसभामे हम उपस्थित अवश्य भेल रही । उपस्थितिमे हमर हस्ताक्षर अछि मुदा ओ निर्णयमे हमर कोनो हस्ताक्षर नहि अछि ।
प्र. मुदा मेयर साह अपनेके निर्णयोमे हस्ताक्षर रहल कहैत छथि ?
गलत बात । हम कोनो एहन हस्ताक्षर नहि कएने छी । हमरा नामसँ ओहिठाम फर्जी हस्ताक्षर भेल अछि । जे निकायके अनुसन्धान करबाक चाही कऽ लौक ।


प्र. एक्के पार्टीमे रहलाक बादो मेयर साहब सहयोग नहि करैत छथि एहि बातके लऽ कऽ पार्टी नेतासभके किए नहि कहैत छियैन्हि ?
कहैत छियैन्हि मुदा पार्टीयो दिससँ जे दवाब मेयरपर बनबाक चाही से नेतासभ सेहो नहि बनाबए पाबि रहल छथि । ओना किछुए दिन पहिने राजपा नेता राजेन्द्र महतो मञ्चेसँ लालकिशोरजीके कडा आलोचना कएने रहथि । एकरबादो हुनका कोनो फरक नहि पडल ।
प्र. अपनहुँ तऽ हुनकासँ डराइते छी ?
कोना ?

१० लाखके गाडीपर चढितथि तैयो मेयरे रहितथि आ डेढ करोडके गाडी किनलन्हि अछि तैयो मेयरे छथि । मुदा एहिठामक लोक हमरासभके एहिके लेल नहि जितौने छल जे सफाईके गाडीके अभाव अछि मुदा मेयर सुविधासम्पन्न गाडीमे घूमत । 

प्र. मेयर साहबके शौचालय निर्माणके फोटो साामजिक संजालमे रखलियैक फेर एक दू दिनक बाद हटा लेलियैक ?
हटाबएबला बात सत्य छैक । पार्टीक नेतासभ कहलन्हि हटा लेबाक लेल तएँ हटेलहुँ मुदा जे मुद्दाके लऽ कऽ हम शौचालयके फोटो पोष्ट कएने रही ताहि मुद्दापर एखनो कायमे छी । बढियाँ शौचालय छल एकर बादो मेयर लालकिशोर ओकरा तोडा कऽ फेरसँ शौचालय बनबौलन्हि । जखन कि एक दू लाखके लऽ कऽ नगरमे समस्या भऽ रहल अछि ।


प्र. एक दू लाखके लऽ कऽ अपने बिरोध कएलियैक मुदा डेढ करोडके मेयर साहब गाडी किन लेलन्हि ?
१० लाखके गाडीपर चढितथि तैयो मेयरे रहितथि आ डेढ करोडके गाडी किनलन्हि अछि तैयो मेयरे छथि । मुदा एहिठामक लोक हमरासभके एहिके लेल नहि जितौने छल जे सफाईके गाडीके अभाव अछि मुदा मेयर सुविधासम्पन्न गाडीमे घूमत ।

एहि वार्डसंग भेदभाव कऽ रहल छथि सभके जानकारी करा रहल छी । जँ अहुँसँ नहि मानब तऽ आरपारक लडाई तऽ हएबे करतैक । 

प्र. एहिके लऽ कऽ किए नहि बिरोध कऽ रहल छियैक ?
हम मात्रे नहि पूरे नगरवासी बिरोध कऽ रहल छैक । जतए देखी ओतए मेयरेके गाडीक चर्चा । बहुत गलत निर्णय भेल अछि ।


प्र. अपने आ मेयरबिचक विवादक कारण वार्ड नम्ब्र ४ अत्याधिक प्रभावित भऽ रहल अछि ?
मेयर वार्ड नम्बर ४के विकास नहि करए चाहैत छथि । ककरो घरमे पानि ढुकि रहल अछि । एहिके लऽ कऽ हुनकासँ भेट करए जाउ तऽ ओ झुठ फुसके बात करए लगैत छथि । हुनका जनताक पीडासँ कोनो मतलब नहि छन्हि । सफाईके सवालपर सेहो गम्भिरता नहि देखबैत छथि । एकरबादो विभिन्न सहयोगीसभसँ सहयोग लऽ कऽ काज आगा बढा रहल छी ।
प्र. वार्ड नम्बर ४के जनताके समस्या भेलाक बादो एहिठामक जनताके लऽ कऽ आन्दोलन आगा किए नहि बढा रहल छी ?
एखन अपने दवाब बनाबएमे लागल छी । एहि वार्डसंग भेदभाव कऽ रहल छथि सभके जानकारी करा रहल छी । जँ अहुँसँ नहि मानब तऽ आरपारक लडाई तऽ हएबे करतैक ।

About Sujeet Jha

Check Also

मठ मन्दिर वरिपरी मद्यमांश खायो भने जनकपुरधाम चम्किन्छ सोच राख्नु गलतः मुरलीमनोहर मिश्र, युवा अभियानी

प्र. परिक्रमा सडक भित्र मद्यमांश नियन्त्रण गर्ने अभियानमा तपाई लाग्नु भएको छ त्यो अभियान कहाँसम्म …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com