Home / अभियान / दूधमतीक संरक्षणमे किनको ध्यान नहि

दूधमतीक संरक्षणमे किनको ध्यान नहि

दीपेन्द्र झा
जनकपुर ३
जनकपुरमे अखन चारु दिस विकास निर्माणक काजसभ चलि रहल अछि । जतए जाउ सभकिओ जनकपुरक विकासमे लागल छथि । मुदा जनकपुरके जाहि नदीसँ नाम गौरवान्वित होइत आएल अछि ओहि नदीके विकासक लेल किओ ध्यान देने नहि लागि रहल अछि ।

दूधमतीक संरक्षण करबाक चाही ओ कहला मात्रसँ नहि हएत । व्यवहारमे देखाएब अति आवश्यक अछि । 

दूधमतीक नामसँ जनकपुरक नाम ई बातके किनको नहि बिसरए चाही । तएँ तऽ जनकपुरवासी दूधमतीक नामसँ गर्व करैत आएल छी । ई ऐतिहासिक धार्मिक तथा प्राकृतिक सम्पदा अछि सभ किओ बुझैत छी । मुदा जखन एकर संरक्षणक बात अबैत अछि तऽ सभ किओके चुप्पी साधि कऽ बैस जाइत छी ।

जनकपुरमे बहुतो पोखरिसभके अभियाने चला कऽ सरसफाई कएल गेल अछि, जे प्रशंसनीय काज अछि । मुदा एतबीपर अभियानके सीमित राखब सेहो उचित नहि हएत ।

जनकपुरमे सरसफाइके लेल अभियान चलाएल गेल त ओहो नगर भीतर मात्र केन्द्रित भऽ कऽ । मुदा जनकपुरके सभ दिनसँ गौरवक गाथाके निशानी रहल दूधमतीक सरसफाइके लेल एकटा आवाज धरि नहि आएल अछि । जनकपुरमे बहुतो पोखरिसभके अभियाने चला कऽ सरसफाई कएल गेल अछि, जे प्रशंसनीय काज अछि । मुदा एतबीपर अभियानके सीमित राखब सेहो उचित नहि हएत ।

जनकपुरमे सरसफाइके लेल अभियान चलाएल गेल त ओहो नगर भीतर मात्र केन्द्रित भऽ कऽ । 

ओना ई क्षेत्र कृषी प्रधान रहलासँ सेहो दूधमतीक महत्व आओर बढि जाइत अछि । एहि नदीसँ सेहो किसान सभ लाभ उठाबए सकैत छथि । मुदा ओहिके लेल दूधमतीक पूरान स्वरुपमे आनब आवश्यक अछि । दूधमतीक संरक्षणक लेल सभसँ पहिने ओकर मुहान सँ सरसफाई होएबाक चाही । आ जतए जतए अतिक्रमण भेल अछि ओतए विस्तार होएबाक चाही ।
दूधमतीक संरक्षण करबाक चाही ओ कहला मात्रसँ नहि हएत । व्यवहारमे देखाएब अति आवश्यक अछि । दूधमतीक संरक्षणक लेल नागरिक समाज सहित सम्पूर्ण निकायके मील कऽ एकटा अभियान चलौनाइ आवश्यक रहल अछि ।

About Sujeet Jha

Check Also

स्थानीय स्तरसँ संरक्षणक पहल हुए

विरेन्द्रलाल कर्ण नेता  राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी राष्ट्रवादी दूधमती जनकपुरक ऐतिहासिक आ धार्मिक महत्व अपन जलमे …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com