Home / अभियान / दूधमतीक दुनू कात वृक्षारोपणक अभियान चलाओल जाए

दूधमतीक दुनू कात वृक्षारोपणक अभियान चलाओल जाए

अमित झा, समाजिक कार्यकर्ता ।
दुधमती जनकपुरक संस्कृतिके बचा कऽ रखने अछि कहल जाए त अतिशयोक्ति नहि हएत । जे नदी कहिओ जनकपुरक लेल नाक छल वएह नदी आई अपन अस्तित्वक खोजीमे अछि । जे नदी दुध जेहन कञ्चन पानि अपना गर्भमे बहबै छल ओ नदीके बहावधरि रुकि जाइत अछि । दुग्धवतीसँ दूधमती बनल आब आबि कऽ विषमती बनि गेल अछि ।

दूधमतीके सरसफाई करएके बदलामे हमसभ उल्टे ओकरा गन्दा करएमे लागल छी । आबो जागु आ दूधमतीक सरसफाईमे लागु हमर तऽ इउह आग्रह रहत । ओहिके लेल अभियान चलाबए परत । 

जे नदी अपन गर्भमे अमृत बहबै छल ओ नदी आई अपना गर्भमे विष बहा रहल अछि । एकर जिम्मेवार के ? पक्का हम अहाँ । जे अपन भविश्यक चिन्ता नहि क ओहि नदीमे नालाक पानि, ढलके पानि मिलाबएसँ कनिको पाछा नहि हटैत छी ।
दूधमतीके सरसफाई करएके बदलामे हमसभ उल्टे ओकरा गन्दा करएमे लागल छी ।

जनकपुर सेहो विकासक लेल ललायित अछि । जनकपुरक ई छटपटाहट शान्त करएके क्षमता दूधमती नदी लग अछि एहि सत्यके जनकपुरवासीके बुझए पडत । दूधमतीक विकास भेल कि जनकपुरक विकासक गाडी सेहो पटरी पर चलि आएत ।

आबो जागु आ दूधमतीक सरसफाईमे लागु हमर तऽ इउह आग्रह रहत । ओहिके लेल अभियान चलाबए परत । सभसँ पहिने त नदीक अतिक्रमण भ रहल किछारके बचाबए पडत । ओहिके लेल नदीक दुनू किछारमे वृक्षारोपण करब उपयुक्त हएत । दूधमती बचत त एमहरके बहुतो गाम लाभ उठा सकैत अछि । एहिके लेल सभकिओके एक ठाम होबए पडत । किए त एकतामे बल होइत अछि ।
जनकपुर सेहो विकासक लेल ललायित अछि । जनकपुरक ई छटपटाहट शान्त करएके क्षमता दूधमती नदी लग अछि एहि सत्यके जनकपुरवासीके बुझए पडत । दूधमतीक विकास भेल कि जनकपुरक विकासक गाडी सेहो पटरी पर चलि आएत । हम दूधमतीक संरक्षणक लेल एकटा अभियानक आवश्यक्ता रहल बातपर जोड दैत छी । आ एहि अभियानमे हमरा तरफसँ जे भऽ ̃ सकैत अछि से करए लेल सदैव तत्पर छी ।

About Sujeet Jha

Check Also

स्थानीय स्तरसँ संरक्षणक पहल हुए

विरेन्द्रलाल कर्ण नेता  राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी राष्ट्रवादी दूधमती जनकपुरक ऐतिहासिक आ धार्मिक महत्व अपन जलमे …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com