Home / बातचित / प्रदेश २ मे राजपा फोरम गठबन्धनके जल्दिए सरकार बनतः राजेन्द्र महतो, अध्यक्ष मण्डलक सदस्य राष्ट्रिय जनता पार्टी नेपाल

प्रदेश २ मे राजपा फोरम गठबन्धनके जल्दिए सरकार बनतः राजेन्द्र महतो, अध्यक्ष मण्डलक सदस्य राष्ट्रिय जनता पार्टी नेपाल

प्रदेशसभा २के पहिल बैसारमे राष्ट्रिय जनता पार्टी नेपालक अध्यक्ष मण्डलक सदस्य राजेन्द्र महतो सेहो पहुँचल छलथि । राजपा अध्यक्ष मण्डलक सभ नेता तथा संघिय समाजवादी फोरमक केन्द्रिय अध्यक्ष जनकपुरमे रहितो ओसभ नहि पहुँचलथि आ महतोजीके पहुँचएके कारण कि सहितक अन्य समसामयिक विषयमे दूधमतीक सम्पादक सुजीत कुमार झा बातचित कएलन्हि ।


प्र. सब नेता बजारेमे छथि अपने असगरे संसद भवनमे चलि एलियैक ?
संघिय सरकार बनैक पूरे मधेशीके सपना छल आई ओ पूरा भेल अछि । ई क्षणके देखएसँ अपनाके नहि रोकि सकलहुँ । जहिआ गजेन्द्र नारायण सिंह आ हमर पार्टीक लोकसभ संघियताक बात उठबैत छल तऽ लोक बताहे कहैत छल । मुदा आई सभ एहिपर एकमत अछि ।
प्र. एतेक जल्दी प्रदेश बनतैक से सोचने छलियैक ?
जहिआ होबएके रहैत छैक तहिआ हएबे करैत छैक । मुदा एहिके लेल बहुत बलिदानी देबए पड़ल अछि । दर्जनो समाङ्ग शहीद बनल अछि । कतेको गोटे घाइल भेलथि । हमरोसभपर आक्रमण भेल । तखन जे प्राप्त भेल अछि एकरा सुन्दर बनाबए पड़त आ अधिकार लेबएके एखनो बाँकीए अछि ।


प्र. अधिकारक बात अपने कएलियैक अछि, अधिकार नहि देबएबला दल सरकार बना रहल अछि कोना अधिकार प्राप्ति हेतैक ?
द्वन्द्व व्यवस्थापनक लेल सेहो अधिकार आवश्यक अछि । जाधरि मधेशीके अधिकार नहि भेटत ताधरि आन्दोलन नहि रुकत । ई बात एमालेके नेतासभ सेहो बुझैत छथि । ओसभ मधेशीके अधिकार दियाबएमे सहयोग करता ताहिमे हमसभ आशावादी छी ।

फोरम आ राजपा एकसंगे बैसत तऽ सभबात निकलि कऽ चलि आओत । एखन किछु नहि कहल जा सकैत अछि ।

प्र. संविधान संशोधनक लेल कोनो बात आगा बढल छैक कि ?
एखन सरकारे बनाबएके बातसभ चलि रहल अछि । मुदा ओहोसभ बुझैत अछि बिना संविधान संशोधनके मधेशीसभ चुप्प रहएबला नहि अछि । सरकार बनतैक एकरबाद हमसभ फेरसँ माँगके लऽ कऽ आगा बढब ।
प्र. प्रदेश नम्बर २मे कहिआधरि सरकार बनत ?
आब एकरे समय बाँकी अछि । पहिल बैसार भऽ गेल आब हमसभ अहीपर काज करब । जल्दिए सरकार बनत से आशा करी ।


प्र. अपने कहैत छियैक सरकार बनत मुदा हल्ला अछि फोरम आ एमाले मिल कऽ कोनो खेलमे लागल अछि ?
हँ, से बात छैक ? ई बातके हमरासभलग जानकारी नहि अछि ।
प्र. एखनधरि फोरम आ राजपाके औपचारिक बैठक नहि भेल अछि ?
बैठक जल्दिए हएत । राज्यसभाक लेल हमसभ बैसबे कएल छलहुँ एहिमे सभगोटे विश्वस्त रही राजपा फोरमके सरकार बनतैक ।

माँग उठाबएके हमसभ गलत रुपसँ नहि लैत छी । तखन बन्दे कऽ देब आ तोडफोड करब ई नहि होएबाक चाही । किछु व्यक्ति जे संघियता बिरोधी अछि ओ सभ उक्साबएके खेलमे लागल अछि । प्रदेश नम्बर २के बिचमे जनकपुर पड़ैत अछि फेर जनकपुर ऐतिहासिक शहर अछि से बुझए पड़त । 

 


प्र. राजपा मुख्यमन्त्री लेत वा उप मुख्यमन्त्री ?
फोरम आ राजपा एकसंगे बैसत तऽ सभबात निकलि कऽ चलि आओत । एखन किछु नहि कहल जा सकैत अछि ।
प्र. राजधानीके लऽ कऽ विरगंज कहिआधरि बरैत रहत ?
माँग उठाबएके हमसभ गलत रुपसँ नहि लैत छी । तखन बन्दे कऽ देब आ तोडफोड करब ई नहि होएबाक चाही । किछु व्यक्ति जे संघियता बिरोधी अछि ओ सभ उक्साबएके खेलमे लागल अछि । प्रदेश नम्बर २के बिचमे जनकपुर पड़ैत अछि फेर जनकपुर ऐतिहासिक शहर अछि से बुझए पड़त ।

About Sujeet Jha

Check Also

कड़ा आन्दोलनो करब आ जल्दिए संघिय सरकारके देने समर्थन फिर्तो लेबः परमेश्वर साह, सचेतक राष्ट्रिय जनता पार्टी, प्रदेश २

संविधान बिरोधी आन्दोलनके राष्ट्रिय जनता पार्टी जनकपुरधाममे विशेष तैयारी कऽ रहल अछि । एहि तैयारीसँ …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com