Home / अभियान / स्थानीय स्तरसँ संरक्षणक पहल हुए

स्थानीय स्तरसँ संरक्षणक पहल हुए

विरेन्द्रलाल कर्ण नेता  राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी राष्ट्रवादी

दूधमती जनकपुरक ऐतिहासिक आ धार्मिक महत्व अपन जलमे समाहित कऽ रख्ने अछि । मुदा दूधमतीक जल गन्दा भेल संगहि जनकपुरक ऐतिहासिकता सेहो धुमिल भेल अछि । एहि धब्बाके हटेबाक पहिल दायित्व दूधमतीक जलसँ लाभ उठाबएबलाके अछि । तैयो किओ एकरा संरक्षणक लेल कोनो निकाय आगा नहि आएब चिन्ताक विषय अछि ।
एखन दूधमती घाइल अछि एहिमे कोनो सन्देह नहि अछि । तएँ एकर इलाजक लेल हमरा अहाँके एकटा अभियान चलाइए कऽ करए पड़त । एहि अभियानक शुरुवात दूधमतीक उदगमस्थलसँ लऽ कऽ ओकर गन्तव्यमे सेहो मुहारक सरसफाई करब जरुरी अछि । तहिना दूधमतीक पानि जे कहिओ सफा रहैत छल ओकरा वएह स्वरुपमे अनबाक दिशामे सेहो काज करए पड़त ।

दूधमती हमर अहाँक धार्मिक, ऐतिहासिक, सांस्कृतिक तिनू हिसाबसँ जुडल रहलाक कारण दूधमतीके बचा कऽ हम अहाँसभ अपन ऐृतहासिकताके बचाबए दिस एक डेग आगा बढि सकैत छी । 

दूधमतीक पानि धुमिल होबएमे ओहिमे मिलाओल गेल गन्दा नालासभके सेहो कारक तत्व मानल जा सकैत अछि । एहन कुप्रवृतिके पश्रय देब एकदम निन्दनीय अछि । जाहि हिसाबसँ हुए एहन घृणित काजके रोकएके लेल स्थानीय स्तरसँ पहल करए पड़त । तखने दूधमती बचाबएके अभियानमे बल पहुँचत ।
एम्हर दूधमतीके सेहो गन्तव्य स्थलके रुपमे विकास करबाक लेल ओकर सौन्दर्यीकरण दिस ध्यान देब जरुरी अछि ।

स्थानीय स्तरसँ जाधरि दूधमतीक संरक्षणक लेल पहल नहि हएत ताधरि एकर संरक्षण नहि भऽ सकैत अछि । प्रत्येक नागरिकके दूधमतीक गरिमाके विषयमे जानकारी हएब आवश्यक अछि ।

दूधमती हमर अहाँक धार्मिक, ऐतिहासिक, सांस्कृतिक तिनू हिसाबसँ जुडल रहलाक कारण दूधमतीके बचा कऽ हम अहाँसभ अपन ऐृतहासिकताके बचाबए दिस एक डेग आगा बढि सकैत छी । दूधमतीक संरक्षणक लेल आब वार्ड वार्डमे जनप्रतिनिधिसभ छथि हुकोसभके आगा आबए पड़त । स्थानीय स्तरसँ जाधरि दूधमतीक संरक्षणक लेल पहल नहि हएत ताधरि एकर संरक्षण नहि भऽ सकैत अछि । प्रत्येक नागरिकके दूधमतीक गरिमाके विषयमे जानकारी हएब आवश्यक अछि ।

About Sujeet Jha

Check Also

दूधमती सफाईके तीव्र बनाओल जाए

  नविन सिंह, सञ्चारकर्मी दूधमती हम्मर अहाँक प्रतिष्ठा सँ जुड़ल नदि अछि । एकर इतिहास …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com