Home / हम्मर आवाज / पछिल्ला किछु दिनसँ डा. सिके राउत सामाजिक सञ्जालक माध्यमसँ मिथिला आ मैथिलीक अस्तित्व मधेशमे नहि रहल कहैत आबि रहल छथि । एहिपर हुनके पोष्टमे बहुतो गोटे प्रतिक्रिया देने छथि, ओ प्रतिक्रियासभक सम्पादित अंश ।

पछिल्ला किछु दिनसँ डा. सिके राउत सामाजिक सञ्जालक माध्यमसँ मिथिला आ मैथिलीक अस्तित्व मधेशमे नहि रहल कहैत आबि रहल छथि । एहिपर हुनके पोष्टमे बहुतो गोटे प्रतिक्रिया देने छथि, ओ प्रतिक्रियासभक सम्पादित अंश ।

पहिने अहाँ स्वयं हिन्दीक बदलामे अपनेके शब्दमे बेसी गोटेके बाजएबला भाषा मधेशी भाषामे लिखब शुरु करु सामाजिक सञ्जालक माध्यमसँ । लिखियौ आ देखबियौक जे हे एन्ना लिखल जेतैक मधेशी भाषा आ एकरा ताहि लेल बनायल जेबाक चाही मधेश ।

प्रविण नारायण चौधरी
……………………
सिके राउतजी जँ अहाँ मधेशी भाषा स्थापित करए चाहैत छी तऽ मधेशी भाषामे लि कऽ देखाउ हिन्दी भाषाक सहारा किए लैत छी । हिन्दी केकर भाषा छैक, कतएसँ आएल छैक से सभके बुझल छैक ।


जयकिशोर यादव
…………………….
अपने पढल लिखल भइयो कऽ अबुझजकाँ जनताके भ्रमित करएमे लागल छी । मधेशी जनताके भाषा कोन छैक से हुनकासभके स्वयं बुझल छन्हि । भ्रमित करएके काज कृपया नहि कएल जाउ ।


गुड्डु गर्ग

………………….
यदि भाषाक नाम मैथिली छैक तऽ एहिमे कोन हर्ज छैक । ई भाषा सभके लेल प्रिय आ प्रसिद्ध छैक एकरा मिटाबए लेल गलत अभियानमे किए लागल छी । अपने तऽ बुझनुक छी अपनेके एहन गलत अभियान चलाएब शोभा नहि दैत अछि ।


रिसी महतो
………………………………..


भषाके लऽ कऽ द्वन्द्व फैलाबएके काज नहि कएल जाउ । नेपाली हुए वा अंग्रेजी, हिन्दी कोनो भाषा एक समान नहि होइत अछि । तहन मैथिलीमे बाजल जाएबला अनेक तरहक शब्दके किए नहि स्वीकार कएल जाए ।
कमलेश झा

About Sujeet Jha

Check Also

दशमीक धुम जनकपुरमे बहुत बेसी देखल गेल । मन्दिरसभमे दिनभरि भीड़ सेहो लागल रहल । दशमीक उत्साह सभकिओमे देखल गेल छल । एहिबेर विभिन्न क्षेत्रक लोक दशमी कोना मनौलन्हि एहि सम्बन्धमे हमरसभक सहकर्मी सोहन ठाकुर आ शम्भु प्रसाद शाह प्रेमी बातचित कएलन्हि ।

  कलाकारसभक दशमी व्यस्तताक बिच बितैत अछि । अहुबेर दशमी किछु दिन घरक सदस्यसभ संग …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com