Home / कला संस्कृति / महिला कलाकारक एक स्वर प्रदेश नम्बर २के नाम मिथिला हुए

महिला कलाकारक एक स्वर प्रदेश नम्बर २के नाम मिथिला हुए

जयन्त ठाकुर ।
प्रदेश नम्बर २के नामाकरणके लऽ कऽ विभिन्न वर्गक व्यक्तिमे मतान्तर देखल जा रहल अछि । किओ कोनो नाम तऽ किओ कोनो नामक सुझाव दऽ रहल छथि । दूधमतीक पछिल्ला अंकमे प्रदेशक अस्थायी राजधानीके लऽ कऽ कलाकारसभ कतेक हर्षित छथि विषयमे चर्चा कएने छलहुँ ओहि क्रममे पुरुष कलाकारसभ प्रदेशक नामाकरणके लऽ कऽ एक स्वरमे मिथिला होएबाक चाही बाजल छलथि । महिला कलाकारसभ प्रदेशक नामाकरणके लऽ कऽ कि सोचैत छथि तऽ ?
जनकपुरक महिला कलाकारसभ सेहो प्रदेशक नाम मिथिला हुए ताहि पक्षमे देखल जा रहल छथि । एहि लिष्टमे गायिका संगिता देव, प्रियंका झा, रिना यादव, अनितारानी मण्डल, सारथी लामा सहितक कलाकारसभ देखल जा रहल छथि ।


काठमाण्डूमे रहित मैथिली रंगमञ्चमे लागल कलाकार प्रियंका झा बहुत बेसी हर्षित लागि रहल छथि । ओ प्रदेश नम्बर २के नाम मिथिलासँ उपयुक्त आन कोनो नाम नहि भऽ सकैत अछि कहैत छथि । गायिका संगिता देव मिथिला बाहेक दोसर नामपर विचारो नहि करए सुझाव दैत छथि ।

जनकपुरक महिला कलाकारसभ सेहो प्रदेशक नाम मिथिला हुए ताहि पक्षमे देखल जा रहल छथि । एहि लिष्टमे गायिका संगिता देव, प्रियंका झा, रिना यादव, अनितारानी मण्डल, सारथी लामा सहितक कलाकारसभ देखल जा रहल छथि ।

गायिका संगिता देव कहैत छथि ई भूमि बहुत पहिनेसँ मिथिलाक भूमि अछि । एकर अस्थायी राजधानी जनकपुर बनिए गेल आब स्थायी राजधानी सेहो बनत । ई हमरासभक लेल हर्षक विषय अछि । यदि एहि प्रदेशक नाम मिथिला भऽ जाएत तऽ सोनमे सुगन्ध भऽ जाएत । हम तऽ कहव राजनीतिज्ञसभके सेहो मिथिला नामपर विचार करबाक चाही ।


एम्हर कलाकार प्रियंका झा १७ बर्षक यात्रा सफलता प्राप्त कएने से बुझा रहल अछि कहलन्हि । प्रियंका कहैत छथि १७ बर्ष पहिने जहिआ रंगमञ्चमे लागल रही तऽ नहि लागल रहए जे एकेबेर एहन परिवर्तन देखएके आओत । मुदा आब हमहुसभ राजधानीक कलाकार कहाएब सौभाग्यक बात अछि । तएँ किनको नामक ओझराहटमे नहि फसए ओ सल्लाह दैत छथि । एहि प्रदेशक नाम मिथिलासँ बेसी उपयुक्त कोनो नाम नहि भऽ सकैत छथि ।
गायिका संगिता देव आ कलाकार प्रियंका झाजकाँ आन कलाकारसभके सेहो इएह मत छन्हि । ई कहि सकैत छी जे महिला कलाकारसभ सेहो एक स्वरमे मिथिला नामपर मोहर लगा देने छथि ।

एहि प्रदेशक नाम मिथिलासँ उपयुक्त आन किछु नहि भऽ सकैत अछि । बेकारके नेतासभ राजनीतिक रोटी सेकए लेल अनर्गल नामके प्रचारवाजीम लागल अछि । 

क्लाकार रिना यादव सेहो मैथिली रंगमञ्चमे एक दशकसँ बेसी समयमसँ लागल छथि ।

मुदा जनकपुर प्रदेशक राजधानी बनत सुनि कऽ आओर बेसी प्रसन्न भऽ जाइत छथि । ओ कहैत छथि हमरासभके लेल गर्वक बात अछि जे हमहुँसभ राजधानीक कलाकार बनएबला छी । मुदा अखनो हुनका प्रदेशक नामके लऽ कऽ डर लागि रहल छन्हि । ओ कहैत छथि ई राजा जनकक प्राचिन भूमि अछि जेकर नाम बहुत पहिनहिसँ मिथिला छल मुदा किछु नेतासभ कि कि नाम राखएके बात करैत अछि तऽ डरा जाइत छी । रिना सेहो चाहैत छथि जे एहि प्रदेशक नाम मिथिला हुए ।


कलाकार सारथी लामा एकटा नेपाली भाषी भइयो कऽ एहि प्रदेशक नामाकरणके लऽ कऽ किनको मत मतान्तरमे नहि पडए सल्लाह दैत छथि । ओ कहैत छथि एहि प्रदेशक नाम मिथिलासँ उपयुक्त आन किछु नहि भऽ सकैत अछि । बेकारके नेतासभ राजनीतिक रोटी सेकए लेल अनर्गल नामके प्रचारवाजीम लागल अछि ।

About Sujeet Jha

Check Also

की सम्भव अछि सीतायन स्कल्पचर ?

रोशनकुमार झा जनकपुक पिडारी चौकपर पहुँचिते मन हर्षित भऽ जाईत अछि । जनकपुरक प्रमुख प्रवेशद्वारपर, …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com