Home / बातचित / प्रदेश नम्बर २के नाम मिथिला रहैक एकर पक्षमे कांग्रेस अछिः रामसरोज यादव, प्रदेशसभा सदस्य एवं कांग्रेस नेता

प्रदेश नम्बर २के नाम मिथिला रहैक एकर पक्षमे कांग्रेस अछिः रामसरोज यादव, प्रदेशसभा सदस्य एवं कांग्रेस नेता

प्रदेश नम्बर २ के प्रदेशसभाक पहिल बैसार माघ २१ गते राखल गेल अछि । बैसारके लऽ कऽ विभिन्न दलसभ अपना ढंगसँ रणनीति बना रहल अछि । नेपाली कांग्रेसक कि रणनीति अछि एहि सम्बन्धमे प्रदेशसभा सदस्य एवं कांग्रेस नेता रामसरोज यादवसंग दूधमतीक सम्पादक सुजीत कुमार झा बातचित कएलन्हि ।


प्र. प्रदेशसभाक पहिल बैसारक लेल नेपाली कांग्रेसक कि रणनीति अछि ?
अखन हम काठमाण्डूमे छी । हमसभ सोचि रहल छी एकटा रणनीति बनाओल जाए एहिके लेल एकटा बैसार सेहो राखब आ संसदीय दलक नेता, सचेतक सहितक विषयमे सोचबाक सेहो अछि ।

हमसभ मिथिला रहैक ताहिमे एकमत छी । हमरसभक नेता विमलेन्द्र निधि सेहो बेर बेर ई बात बजने छथि । मिथिलाके अपन ऐतिहासिकता छैक एकर भूगो, एकर पहिचान सभ एहि नामके मजगुती दैत छैक ।

प्र. जितलमे सभसँ बरिष्ठ अपनही छियैक संसदीय दलक नेता अपनही हेबैक कि ?
बैसारमे एहि विषयमे छलफल करब ।


प्र. प्रदेश नम्बर २के नामके लऽ कऽ सेहो विवाद देखल जा रहल अछि अपनेसभक स्टैण्ड कि अछि ?
हमसभ मिथिला रहैक ताहिमे एकमत छी । हमरसभक नेता विमलेन्द्र निधि सेहो बेर बेर ई बात बजने छथि । मिथिलाके अपन ऐतिहासिकता छैक एकर भूगो, एकर पहिचान सभ एहि नामके मजगुती दैत छैक ।

भोजपुरी भाषीसभ एहन बात कहिओ नहि बजलक अछि । अपने मोनसँ सोचि लेबैक जे भोजपुरी भाषी अपहेलित महशुश करत ओ गलत अछि । नामसँ अपहेलना नहि भऽ सकैत अछि । फेर जे नामसँ हमसभ एहि क्षेत्रके नाम राखए चाहैत छी ओ नामके संसार पूजैत अछि । तखन मिथिलासंग भोजपुरा सेहो जोडल जा सकैत अछि । मुदा ई जोडएके बहुत आवश्यक पडए तखने जोडल जाए । 

प्र. मिथिला रखलासँ भोजपुरी भाषी क्षेत्र अपनाके अपहेलित महशुश नहि करतैक ?
भोजपुरी भाषीसभ एहन बात कहिओ नहि बजलक अछि । अपने मोनसँ सोचि लेबैक जे भोजपुरी भाषी अपहेलित महशुश करत ओ गलत अछि । नामसँ अपहेलना नहि भऽ सकैत अछि । फेर जे नामसँ हमसभ एहि क्षेत्रके नाम राखए चाहैत छी ओ नामके संसार पूजैत अछि । तखन मिथिलासंग भोजपुरा सेहो जोडल जा सकैत अछि । मुदा ई जोडएके बहुत आवश्यक पडए तखने जोडल जाए ।


प्र. मधेशवादी दलके तऽ मधेशे नामसँ प्रेम अछि ?
हुनकासभके कि नामसँ प्रेम छन्हि ओ हम नहि जनैत छी । मुदा ओसभ पहिचानक बात करैत छथि एहिठाम ऐतिहासिकता भूगोल आदिके देखल जाए तऽ मिथिला बाहेक दोसर किछु नहि देखल जाइत अछि । ओ सभ जे चाहैत छलथि एक मधेश प्रदेश आब ओ रहबे नहि कएल । मधेशके किछु भाग मात्र अछि अर्थात एक चौथाई मात्रे अछि एहनमे बात नहि कएल जाए ।
प्र. नामके लऽ कऽ भारी विवाद होबएके सम्भावना अछि ?
विवाद कएलासँ नहि हेतैक । दू तिहाई जाहि नामपर सहमत हएत से पारित हेतैक । नेपाली कांग्रेस मिथिला रहैक ताहिके पक्षमे अछि ।
प्र. कांग्रेस राजपा आ फोरमके गठबन्धन ठाम ठाम देखल जाइत छैक कि प्रदेश नम्बर २मे तीनु दल मिल कऽ सरकार बना सकैत अछि ?
नेपाली कांग्रेसके विपक्षमे जाएके बहुमत आएल अछि तएँ नेपाली कांग्रेस विपक्षेमे रहत ई हमर व्यक्तिगत राय अछि । तखन राजनीतिमे किछु सम्भव भऽ सकैत अछि ।

जनकपुरमे रेल लाइन शुरु होबए लागल अछि, जटही जनकपुर ढल्केवर ६ लेन बनि रहल अछि, जनकपुर भिठामोड सडक बनि रहल अछि, जनकपुर विमानस्थलके विस्तार भऽ रहल अछि एहिसँ लाखोमे लोक मात्र जानकी मन्दिर देखए आओत । बारा, पर्सासँ लऽ कऽ सप्तरीधरि धार्मिक ऐतिहासिक स्थलसभ अछि ओहिमे पर्यटकसभ घुमि सकैत छथि । एकर अतिरिक्त धनुषाधामके आओर पर्यटकीय स्थलके रुपमे विकास कएल जा सकैत अछि । जहाँधरि कृषिके सवाल छैक बलुवाहा जमीनसँ पंजाव आ हरियाणा समृद्ध भऽ सकैत अछि तऽ हमरसभक जमीन तऽ कृषिक लेल उपयुक्त अछि । सिंचाईपर जोड देबए पडत । सुनकोशी नदीके डाइभर्सन कऽ कमलामे आनल जाए आ वाग्मतीधरि एकरा आगा बढाओल जाए । चुरीया क्षेत्रके संरक्षण करए पडतैक । एग्रोसँ जुडल कारखानासभ खोलए पडत । 

प्र. प्रदेश नम्बर २के भविष्य अपने कतेक देखि रहल छियैक ?
बहुत बेसी । ओना काठमाण्डूक लोक प्रदेश नम्बर २के सम्बन्धमे बहुत निराशाजनक बात करैत अछि । मुदा हम देखैत छियैक कृषि आ पर्यटनसँ मात्रे ई क्षेत्र पूरे देशके पोसि सकैत अछि ।


प्र. आधार कि ?
पर्यटनके जहाँधरि सवाल छैक जनकपुरमे रेल लाइन शुरु होबए लागल अछि, जटही जनकपुर ढल्केवर ६ लेन बनि रहल अछि, जनकपुर भिठामोड सडक बनि रहल अछि, जनकपुर विमानस्थलके विस्तार भऽ रहल अछि एहिसँ लाखोमे लोक मात्र जानकी मन्दिर देखए आओत । बारा, पर्सासँ लऽ कऽ सप्तरीधरि धार्मिक ऐतिहासिक स्थलसभ अछि ओहिमे पर्यटकसभ घुमि सकैत छथि । एकर अतिरिक्त धनुषाधामके आओर पर्यटकीय स्थलके रुपमे विकास कएल जा सकैत अछि । जहाँधरि कृषिके सवाल छैक बलुवाहा जमीनसँ पंजाव आ हरियाणा समृद्ध भऽ सकैत अछि तऽ हमरसभक जमीन तऽ कृषिक लेल उपयुक्त अछि । सिंचाईपर जोड देबए पडत । सुनकोशी नदीके डाइभर्सन कऽ कमलामे आनल जाए आ वाग्मतीधरि एकरा आगा बढाओल जाए । चुरीया क्षेत्रके संरक्षण करए पडतैक । एग्रोसँ जुडल कारखानासभ खोलए पडत ।
प्र. ई सभ के करतैक ?
राज्यके नेतृत्वदायी भूमिका खेलए पडत । केन्द्रके सेहो एहिमे सहयोग करए पडतैक । एहि क्षेत्रके विकासमे खासे कठिनाई हम नहि देखि रहल छी ।

About Sujeet Jha

Check Also

प्रदेश २ मे राजपा फोरम गठबन्धनके जल्दिए सरकार बनतः राजेन्द्र महतो, अध्यक्ष मण्डलक सदस्य राष्ट्रिय जनता पार्टी नेपाल

प्रदेशसभा २के पहिल बैसारमे राष्ट्रिय जनता पार्टी नेपालक अध्यक्ष मण्डलक सदस्य राजेन्द्र महतो सेहो पहुँचल …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com