Home / विचार / प्लाष्टिक नियन्त्रणक लेल जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघक नव पदाधिकारीसभ काज करत कि ?

प्लाष्टिक नियन्त्रणक लेल जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघक नव पदाधिकारीसभ काज करत कि ?

अमरचन्द अनिल ।


प्लाष्टिक नियन्त्रणक लेल बर्षोसँ आवाज उठि रहल अछि मुदा एहिपर चाँखि किनको नहि अछि । जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघमे ललित प्रसाद साह एलाक बाद हुनका हमसभ आग्रह कएने छलहुँ पहिले बैसारसँ एहि सम्बन्धमे अपने निर्णय करु ।

हमरा लगैत अछि जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघ प्लाष्टिक नियन्त्रणक लेल निर्णय कऽ लए आ जनकपुर उपमहानगरपालिका कनी पहल कऽ दए तऽ खासे समस्ये नहि रहि जाएत । एहिसँ जनकपुरके सफाईमे बहुत सहयोग पहुँचत । सफाईके लेल प्लाष्टिक बहुत बाधक बनि रहल अछि । अधिकांश नाला जाम होबएके कारण प्लाष्टिक अछि । 

हमरा लगैत अछि जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघ प्लाष्टिक नियन्त्रणक लेल निर्णय कऽ लए आ जनकपुर उपमहानगरपालिका कनी पहल कऽ दए तऽ खासे समस्ये नहि रहि जाएत । एहिसँ जनकपुरके सफाईमे बहुत सहयोग पहुँचत । सफाईके लेल प्लाष्टिक बहुत बाधक बनि रहल अछि । अधिकांश नाला जाम होबएके कारण प्लाष्टिक अछि ।
फेर जनकपुरमे एकर नियन्त्रणक लेल पहिल पहल भऽ रहल अछि से नहि नेपालक आधा दर्जनसँ बेसी शहरमे प्लाष्टिक मुक्त कएल गेल अछि । जाहि शहरमे प्लाष्टिकके मुक्त कएल गेल अछि ओहि शहरमे गन्दा सेहो कम भेल अछि । सडकपर ओहिना जथाभावी प्लाष्टिकसभ उडियाइत रहैत अछि ।
जनकपुरमे प्लाष्टिक मुक्त अभियानक लेल कए बेर पहल भेल मुदा ओ पहलसभ बैसारमे मात्रे सीमित भऽ गेल । मात्र अपना हित नहि सभक हितपर सोचए पड़त तखने जनकपुरक विकास हएत ।

पहिने बढियाँ छल । लोक झोरा लऽ कऽ घरसँ निकलैत छल आ जथाभावी पोलिथिन फेकएके समस्ये नहि रहैत छल ।
फेरसँ एहन माहौल बनाबए पड़त तखने जनकपुरक गन्दा सफाई हएत । 

जनकपुर प्रदेश नम्बर २के राजधानी बनल अछि आबो अहिना होइत रहत ? अर्थात छोट छोट बातके कहिआधरि नजरअन्दाज करैत रहब । फेर ई काज जनकपुर उपमहानरपालिका, जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघके मात्र नहि एहिमे सभक योगदानक आवश्यक्ता अछि । सभ मिल कऽ .चलब तऽ जनकपुर प्लाष्टिक मुक्त भऽ जाएत । पहिने जखन प्लाष्टिक नहि छल तखन लोक कोना जिबैत छल हमरा लगैत अछि एहिसँ पहिने बढियाँ छल । लोक झोरा लऽ कऽ घरसँ निकलैत छल आ जथाभावी पोलिथिन फेकएके समस्ये नहि रहैत छल ।
फेरसँ एहन माहौल बनाबए पड़त तखने जनकपुरक गन्दा सफाई हएत । पर्यटन ओहिना बढत, लोकसभक आकर्षणक केन्द्र जनकपुर बनि रहल अछि । एहनमे किछु निक चिजसभ सोचए पड़त ।

About Sujeet Jha

Check Also

मिथिलामे होरीक आकर्षण

–सुजीत कुमार झा । ऋतुसभक राजा ‘वसंत’मे मनाओल जाएबला होरी मिथिलांचलक महत्वपूर्ण पावनि अछि । …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com