Home / कला संस्कृति / जनकपुरक कलाकारसभ मिथिला नामक पक्षमे

जनकपुरक कलाकारसभ मिथिला नामक पक्षमे

जयन्त ठाकुर ।
प्रदेश नम्बर २ के अस्थायी राजधानी जनकपुरधाम बनि गेल अछि । स्थायी राजधानी सेहो जनकपुर बनत से लगभग निश्चित अछि । एहिसँ मैथिली रंगमञ्चमे काज कएनिहार कलाकारसभक किछु बेसीए हर्षित छथि । किए नहि हुए पहिने हुनकासभके मोफसलके कलाकार कहि सम्बोधित कएल जाइत छल आब स्वयं राजधानीके कलाकार बनल छथि । एहनमे मैथिली रंगमञ्चमे लागल कलाकारसभके कि अपेक्षा छन्हि ? एहिपर कलाकारसभ कि सोचैत छथि ई बुझवाक ईच्छा सभकिओके होइत हएत ।


रामनारायण ठाकुर ः वि.सं. २०३० सालसँ अनवरत रुपमे मैथिली रंगमञ्चमे लागल कलाकार रामनारायण ठाकुर अपन रंगमञ्चक कैरियरमे कहिओ अतेक बेसी खुशी नहि छलथि । ओ कहैत छथि पहिने हमरासभके काठमाण्डू जाइत छलहुँ तऽ मोफसलके कलाकार कहि चिढबैति छल आब तऽ हमहुँसभ राजधानीक कलाकार बनि गेल छी । आब एहि प्रदेशक नाम मिथिला हुए से हार्दिक ईच्छा अछि हुनक कहव छन्हि । आब कमसँ कलाकारक सम्मान बृद्धिके दिशामे सेहो काज हएत आ मैथिली रंगथमञ्च अपन उचाई पकरत से विश्वास अछि ।

अशोक दत्त ः प्रदेश नम्बर २के राजधानी बनलाक बाद जनकपुरमे रंगमञ्चक विकासके सभसँ पहिने सरकारी स्तरसँ वातावरणक निर्माण होएबाक चाही मैथिलीक बरिष्ठ गीतकार अशोक दत्तके कहव छन्हि । एहिके लेल अन्तर्राष्ट्रिय स्तरके रंगशाला, नाट्यशालाक निर्माण होएबाक चाही । जे साजसज्जासँ सुसज्जित हुए । प्रदेश नम्बर २के सर्वाधिक बाजल जाएबला भाषा मैथिली रहलाक कारण बेसीसँ बसी एहि भाषाक विकासमे पहिल चरणम काज होएबाके चाही मुदा एहि संग संगे भोजपुरी, थारु लगायत एहि प्रदेशमे बाजल जाएबला भाषाक संरक्षण सम्बद्र्धनके दिशामे सेहो प्रदेशसभा सदस्यसभके ध्यान जाएत से विश्वास अछि । निसन्देह ई राजर्षि जनकक मिथिला राज्यक राजधानी जनकपुर अछि एहि हिसाबसँ एहि प्रदेशक नाम मिथिला हुए से हमर मान्यता रहल बरिष्ठ गीतकार दत्त कहैत छथि ।

सुनिल मल्लिक ः हमरासभक लेल ई गौरव करएबला विषय अछि । राजर्षि जनकक भूमि जनकपुरधाम जे बहुत पहिनेसँ राजधानी छल आब हमरोसभक क्षेत्रके राजधानी बनल अछि । अखन अस्थायी राजधानी अछि विश्वास अछि जे ई स्थायी राजधानी सेहो बनत आ बहुमत सदस्य एहि प्रदेशक नाम मिथिलाक लेल सहमति जनौता ई कहव छन्हि मैथिलीक बरिष्ठ संगितकार एवं गायक सुनिल मल्लिकके । जनकपुर राजधानी बनलाक बाद मैथिली भाषा संस्कृतिमे बेसीसँँ बैसी काज हुए, कलाकारक स्तर बृद्धिक लेल काज हुए से अपेक्षा रहल बात कहैत छथि ।

रितेश पाटली ः जनकपुर राजधानी बनब हमरासभक लेल सौभाग्यक विषय अछि । अखन अस्थायी राजधानी रहितो विश्वास अछि प्रदेश नम्बर २ के स्थायी राजधानी जनकपुरे बनत । एहिसंगे एहि प्रदेशक नाम मिथिला हुए से चाहैत छी । आब ई राजधानी बनलाक बाद मैथिली रंगमञ्चमे लागल कलाकारसभके सेहो स्तर बृद्धिक दिशामे काज हएत से विश्वास रहल बात कलाकार रितेश पाटली कहैत छथि ।

कलाक क्षेत्रमे सेहो सरकारी स्तरसँ फण्डके व्यवस्था हएत जाहिसँ मैथिली रंगमञ्चक कलाकारसभके काज करएके निक माहौल बनत पाटलीक कहव छन्हि । पहिने जाहि प्रकारसँ मैथिली रंगमञ्चमे लागएसँ कलाकारसभ हिचकिचाइत छलथि ओ माहौल हटत हुनक कहव छन्हि ।

About Sujeet Jha

Check Also

की सम्भव अछि सीतायन स्कल्पचर ?

रोशनकुमार झा जनकपुक पिडारी चौकपर पहुँचिते मन हर्षित भऽ जाईत अछि । जनकपुरक प्रमुख प्रवेशद्वारपर, …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com