Home / मैथिली साहित्य / मिथिलाञ्चलमे मकर संक्रान्तिक धुम, माघ १ गते विशेष स्नान

मिथिलाञ्चलमे मकर संक्रान्तिक धुम, माघ १ गते विशेष स्नान

सुजीत कुमार झा ।


सीतामढ़ीबाली तीनदिन पहिने बजारसँ तिल, चुरा, मुरही आ गुँड अनने छलीह । तिलवा, चुरलाई आ लाई बनौलीह । हुनके बगलमे रहल प्रेमनगरबाली कहैत छथि हम तऽ लाई सभ एक हप्त पहिने बना लेने छलहुँ । माघ १ गते मिथिलाञ्चलमे विशेष भोजन बनाओल जाइत अछि ।


राजनीतिकर्मी विभा ठाकुर कहैत छथि एहि दिन खिचड़िके बहुत महत्व रहैत अछि । एकरा घर घरमे विशेष प्रकारसँ बनाओल जाइत अछि । ओ एहिसँ जुड़ल एकटा फकरा सेहो कहैत छथि खिचड़ीक चारि यार घि पापर दही अचार । एहिमे बहुतरास परिकार बनाओल जाइत अछि ओ कहैत छथि ।
भोरे भोरे स्नान आ फेर किछु दान पुण्य आ विशेष प्रकारक भोजन एहि पावनिके महत्व रहल पुरोहित कार्यमे सक्रिय रहल पण्डित विद्यानन्द झा कहैत छथि । एहि दिन जनकपुरक प्रसिद्ध धार्मिक स्थल गंगासागरमे सेहो स्नान करबाक परम्परा रहैत अछि । संक्रान्तिक दिन प्रत्येक बर्ष गंगासागरमे स्नान करएबला सभके भीड़ लागल रहैत अछि । बहुतो गोटे तऽ गंगासागरमे डुब्बी मारएके बाजी सेहो लगबैत छथि । जे जतेक डुब्बी मारैत अछि हुनका ओतेक तिलवा भेटत एहन बातसभ सुनबामे अबैत अछि । एहि दिन ज्येष्ठ लोकनि अपनासँ छोटके तिल चाउर आ गुँड सेहो खुवाबैत छथि ।
मकर संक्रान्तिक महत्व
मकर संक्रान्ति हिन्दु सभक प्रमुख पावनि सभमेसँ एक अछि । ई पावनि प्रत्येक बर्ष माघ महिनाक पहिल दिन अर्थात माघ १ गते मनाओल जाइत अछि । एहि दिनसँ सूर्य उत्तरायण होबए लगैत अछि जखन कि उत्तरी गोलार्ध सूर्य दिस घूमि जाइत अछि । ओना परम्परागत हिसाबसँ ई मानल जाइत अछि जे ओहि दिन सूर्य मकर राशिमे प्रवेश करैत अछि । एहि पावनिके वैदिक उत्सवके नाम सेहो देल जा सकैत अछि । मकर संक्रान्तिके दिन खिचडि अनिवार्य रुपसँ भोजनमे बनाओल जाइत अछि । एहि अतिरिक्त तिलवा , चुराके लाई, मुरहीक लाई आदि सेहो बनाओल जाइत अछि ।
एहि पावनिके सीधा सम्बन्ध प्रकृति, ऋतु परिवर्तन आ कृषिसँ अछि । प्रकृतिके कारकके रुपमे एहि पावनिमे सूर्य देवके पूजा कएल जाइत अछि जिनका शास्त्रमे भौतिक एवं अभौतिक तत्वक आत्मा कहल जाइत अछि ।
धर्म ग्रन्थमे उल्लेख


मकर संक्रान्तिक उद्गम बहुत बेसी प्राचीन नहि अछि । ईसा पूर्व एक सहस्त्र वर्ष पहिने ब्राह्मण एवं औपनिषदिक ग्रन्थमे उत्तरायणके ६ महिनाके उल्लेख पाओल जाइत अछि । उत्तरायणमे अयन शब्द आएल अछि जेकर अर्थ मार्ग वा स्थल होइत अछि । गृह्यसूत्रमे उदगयन उत्तरायणके द्योतक मानल जाइत अछि जाहिठाम स्पष्ट रूपसँ उत्तरायण आदि कालमे संस्कार करएके विधि वर्णित अछि । मुदा प्राचीन श्रौत, गृह्य एवं धर्म सूत्रमे उदगयन बहुत शताब्दि पूर्वसँ शुभ काल मानल जाइत अछि अतः मकर संक्रान्ति जाहिसँ सूर्यक उत्तरायण गति आरम्भ होइत अछि , राशिके चलनके बादमे पवित्र दिन मानल जाए लागल । मकर संक्रान्ति पर तिलके एतेक बेसी महत्व किए देल गेल से कहनाई कठिन अछि । सम्भवतः मकर संक्रान्तिके समय जाढ़ भेलाक कारण तिल जेहन पदार्थक प्रयोग कएल गेल हुए सम्भव अछि । ईसवी सन प्रारम्भसँ पहिने मकर संक्रान्ति नहि छल ।

संक्रान्तिक अर्थ
’संक्रान्ति’ क अर्थ अछि सूर्य एक राशिसँ दोसर राशिमे जाएब । अतः ओ राशि जाहिमे सूर्य प्रवेश करैत अछि , संक्रान्तिक संज्ञासँ विख्यात अछि । राशिक संख्या १२ अछि । मेष, वृषभ, मिथुन, कर्क, सिंह, कन्या, तुला, वृश्चिक , धनु, मकर, कुम्भ, आ मीन । मलेमास परलाक बाद सेहो वर्षमे १२ राशि मात्र होइत अछि । प्रत्येक संक्रान्ति पवित्र दिन के रूपमे मानल जाइत अछि । मत्स्यपुराणमे संक्रान्ति व्रतके वर्णन कएल गेल भेटैत अछि । एक दिन पहिने लोकके मात्र एक बेर मध्यान्हमे भोजन करबाक चाही आ संक्रान्तिके दिन दाँतके को स्वच्छ कऽ तिल युक्त जलसँ स्नान करबाक चाही ।
संक्रान्तिक दिन दान पुण्य
पूर्व पुण्यलाभक लेल पुण्यकालमे स्नान दान आदि कृत्य कएल जाइत अछि । सामान्य नियम ई अछि जे रातिमे नहि तऽ स्नान कएल जाइत अछि आ नहि दान । सूर्यक किरण रहल समयमे कखनो स्नान कएल जा सकैत अछि । रातिमे ग्रहण छोड़ि कऽ अन्य समय स्नान नहि करबाक चाही । ई बात विष्णुधर्मसूत्रमे सेहो कहल गेल अछि । मुदा किछु अपवाद सेहो देल गेल अछि । जाहिमे ग्रहण, विवाह, संक्रान्ति, यात्रा, जनन, मरण तथा इतिहास श्रवण आदि अछि । अतः प्रत्येक संक्रान्ति विशेषतः मकर संक्रान्तिक दिन अवश्य स्नान करबाक चाही आ ओहिक बाद दान करबाक चाही ।
मान्यता
ई विश्वास कएल जाइत अछि जे एहि अवधिमे देहत्याग करएबला व्यक्ति जन्ममरणके चक्रसँ पूर्णतः मुक्त भऽ जाइत अछि । महाभारत महाकाव्यमे वयोवृद्ध योद्धा भीष्म पितामह पाण्डव आ कौरवके बीच भेल कुरुक्षेत्र युद्धमे सांघातिक रूपसँ घाइल छलथि । हुनका इच्छा मृत्य्ुक वरदान प्राप्त छलन्हि । पाण्डव वीर अर्जुन द्वारा रचित बाणशैया पर परल भीष्म उत्तरायण अवधिके प्रतीक्षा कएलन्हि । ओ सूर्यके मकर राशिमे प्रवेश कएलाक बाद अपन अन्तिम श्वास लेने रहथि जाहिसँ हुनका पुनर्जन्म लेबए नहि पड़लन्हि ।
धनुषाधाममे मकर मेला
जनकपुर क्षेत्रक प्रमुख धार्मिक स्थल धनुषाधाममे एहि अवसरपर मेला लगैत अछि । माघ १ गतेक अतिरिक्त माघ महिनाक प्रत्येक रवि दिन धनुषा धाम मन्दिरमे भक्तजन सभके भीड़ लागल रहैत अछि । ओहि स्थलपर दूर दूरसँ लोकसभ पहुँचैत अछि । मकरमे धान शीस आ भाँटा चढाबएके परम्परा सेहो रहैत अछि । धान शीस चढाबएके पाछु धानक उत्पादन बढाबएके कामना आ भाँटा चढाबएके पाछु अहिला सहित चर्म रोगसँ मुक्तिक अराधना रहैत अछि ।

धनुषाधाम ओ स्थल अछि जाहिठाम त्रेतायुगमे सीता स्वम्बरक समय भगवान रामद्वारा धनुष तोडलाक बाद एकटा भाग धरती पर खसल छल । ओहि स्थलपर एखनो धनुषक अवशेष देखल जा सकैत अछि ।

About Sujeet Jha

Check Also

मोदीसँ सहयोग नहि हुनकर पूजा सफल होइक से उद्देश्य मात्र छलः रामरोशन दास वैष्णव, उत्तराधिकारी महन्थ जानकी मन्दिर

भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीक जानकी मन्दिरक पूजाक मूल संयोजक रामरोशन दास वैष्णव छलथि । भव्य …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com