Home / अभियान / दूधमती संरक्षणक संकल्प एहि बर्ष किए नहि लेल जाए ?

दूधमती संरक्षणक संकल्प एहि बर्ष किए नहि लेल जाए ?

पवनकुमार झा ।
जनकपुरक लेल दूधमती नदी इज्जतसँ कम नहि रहल कहल जाए तऽ अतिशयोक्ति नहि हएत । ई नदी जनकपुरक संस्कृति, इतिहास बचाबएबला नदी अछि । ओहि संगे जनकपुरक पहिचान सेहो बनौने अछि । मुदा जे नदी जनकपुरके देश दुनीयामे नाम बनौने अछि आई ओकर पहिचान अपने समाप्त होबए लागल अछि । मुृदा जनकपुरवासी आई वएह नदीके तिरस्कारके दृष्टिसँ देख रहल अछि ।
जनकपुरके सार्वांगिन विकासक लेल चारु दिस आवाज उठि रहल अछि ।

एखन दूधमती घाइल अछि एहिमे कोनो सन्देह नहि अछि । तएँ एकर इलाजक लेल हमरा अहाँके एकटा अभियान चलौनाई अपरिहार्य भऽ गेल अछि । एहि अभियानक शुरुवात दूधमतीक उदगमस्थलसँ लऽ कऽ ओकर गन्तव्यमे सेहो मुहारक सरसफाई करब जरुरी अछि ।

मुदा ई यथार्थ किओ किए नहि बुझए पाबि रहल छथि जनकपुरक विकास ताधरि सम्भव नहि अछि जाधरि दूधमतीके उद्धार नहि कएल जाएत । तएँ आबो जनकपुरवासीके ई बातक चिन्तन कऽ दूधमतीके डुबैत नाउके पार लगाबए पड़त ।
एखन दूधमती घाइल अछि एहिमे कोनो सन्देह नहि अछि । तएँ एकर इलाजक लेल हमरा अहाँके एकटा अभियान चलौनाई अपरिहार्य भऽ गेल अछि । एहि अभियानक शुरुवात दूधमतीक उदगमस्थलसँ लऽ कऽ ओकर गन्तव्यमे सेहो मुहारक सरसफाई करब जरुरी अछि । तहिना दूधमतीक पानि जे कहिओ सफा रहैत छल ओकरा वएह स्वरुपमे अनबाक दिशामे सेहो काज करए पड़त ।

 एहि बर्ष किए नहि दूधमती नदीक सरसफाईके संकल्प लेल जाए । प्रत्येक जनकपुरवासी यदि ई संकल्प करैत छथि तऽ दूधमतीक संरक्षणक दिशामे एकटा बडका डेग हएत । 

दूधमतीक पानि धुमिल होबएमे ओहिमे मिलाओल गेल गन्दा नालासभके सेहो कारक तत्व मानल जा सकैत अछि । एहन कुप्रवृतिके पश्रय देब एकदम निन्दनीय अछि । जाहि हिसाबसँ हुए एहन घृणित काजके रोकएके लेल स्थानीय स्तरसँ पहल करए पड़त । तखने दूधमती बचाबएके अभियानमे बल पहुँचत ।
अंग्रेजी नव बर्ष २०१८के सेहो आरम्भ भऽ चुकल अछि । एहि बर्ष किए नहि दूधमती नदीक सरसफाईके संकल्प लेल जाए । प्रत्येक जनकपुरवासी यदि ई संकल्प करैत छथि तऽ दूधमतीक संरक्षणक दिशामे एकटा बडका डेग हएत ।

About Sujeet Jha

Check Also

दूधमती सफाईके तीव्र बनाओल जाए

  नविन सिंह, सञ्चारकर्मी दूधमती हम्मर अहाँक प्रतिष्ठा सँ जुड़ल नदि अछि । एकर इतिहास …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com