Home / अभियान / दूधमतीक लेल मिडिया मार्फत पहल हुए

दूधमतीक लेल मिडिया मार्फत पहल हुए

विन्दकिशोर साह, सञ्चारकर्मी ।
जखन जखन जनकपुरक चर्चा हएत दूधमतीक चर्चा ओहिठाम हएबे करत । कारण जनकपुरक एकटा अभिन्न हिस्सा दूधमती नदी अछि । एकर ऐतिहासिकता धिरे धिरे धुमिल होइत जा रहल अछि । जाहिके उजागर करबाक प्रयासमे हमरा अहाँके लगबाक चाही ।
दूधमतीक चर्चा त्रेताकालिन इतिहासमे सेहो देखल जा सकैत अछि ।

चारु दिस अधिकारक बात होइत अछि मुदा एतए रहल धरोहरसभके बचाबएके बातधरि किओ नहि कऽ रहल अछि । संघिय राज्यक राजधानी जनकपुर भेलाक बाद तऽ दूधमतीक महत्व बढिते चलि जाएत । तएँ अधिकारक बात करएके संग संगे ऐतिहासिक धरोहरके बचाबए दिस सेहो पहल करबाक दिस ध्यान देनाई आवश्यक अछि । 

जतए माता जानकी स्नान कएल करैत छलीह । जेकर गर्भमे दूधसन कञ्चन पानि बहैत छल । ओ नदीक नाम अछि दूधमती । मुदा अखन वएह नदीक दूरावस्था देखि अपनो लाज लगैत अछि ।
चारु दिस अधिकारक बात होइत अछि मुदा एतए रहल धरोहरसभके बचाबएके बातधरि किओ नहि कऽ रहल अछि । संघिय राज्यक राजधानी जनकपुर भेलाक बाद तऽ दूधमतीक महत्व बढिते चलि जाएत । तएँ अधिकारक बात करएके संग संगे ऐतिहासिक धरोहरके बचाबए दिस सेहो पहल करबाक दिस ध्यान देनाई आवश्यक अछि ।

एहि अभियानमे जाहि हिसाबसँ आन आन निकायके सहभागिता हएबाक चाही ओहि हिसाबसँ अखनोधरि होबए नहि सकल अछि । एकर सरसफाइमे मीडियाक बहुत बडका हाथ अछि । मीडियाक माध्यमसँ एहि अभियानक प्रचारप्रसार हएबाक आवश्यक अछि । संगहि दूधमतीक अतिक्रमण रोकए पड़त हमरा लगैया । 

दूधमतीक रक्षा कएल जा सकल तऽ एकर बहुत ढंगसँ लाभ हमसभ उठा सकैत छी । इएह कारण दूधमतीक संरक्षणक लेल हमसभ अभियानक शुरुवात कएने छी । ओना एहिमे एतुका स्थानीयवासीसभक सहयोग बहुत सराहनीय अछि । मुदा तैयो हमरा दूधमतीक सरसफाईक लेल सक्रियता आओर बढाबए पडतैक हमरा लगैया । ओना अखन ई अभियानक शुरुवाते अछि । हमरा विश्वास अछि एहि अभियानक माध्यमसँ हमसभ फेर दूधमतीक पानिके. ओहने निर्मल बनाबएमे सफल हएब ।
एहि अभियानमे जाहि हिसाबसँ आन आन निकायके सहभागिता हएबाक चाही ओहि हिसाबसँ अखनोधरि होबए नहि सकल अछि । एकर सरसफाइमे मीडियाक बहुत बडका हाथ अछि । मीडियाक माध्यमसँ एहि अभियानक प्रचारप्रसार हएबाक आवश्यक अछि । संगहि दूधमतीक अतिक्रमण रोकए पड़त हमरा लगैया । अखन हमसभ बसविट्टीसँ ई अभियानक शुरुवात कएने छी । दूधमतीक सरसफाई हमरा विचारसँ मुहानेसँ शुरु करबाक चाही । जाहिक लेल हमसभ तत्पर छी ।

About Sujeet Jha

Check Also

स्थानीय स्तरसँ संरक्षणक पहल हुए

विरेन्द्रलाल कर्ण नेता  राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी राष्ट्रवादी दूधमती जनकपुरक ऐतिहासिक आ धार्मिक महत्व अपन जलमे …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com