Home / हम्मर आवाज / प्रदेश नम्बर २ के राजधानी जनकपुर वा विरगंज विषयके लऽ कऽ अखन बहस जोड पकड्ने अछि । एहि विषयमे प्रदेश नम्बर २मे रहएबला व्यक्तिसभ बिच दू खेमा देखल जा रहल अछि । एतबी नहि नेतासभ बिचमे सेहो दू खेमा अछि । एहिपर सामाजिक सञ्जालमे सेहो बहस भेल सहजहि देखल जा सकैत अछि । बहुतो गोटे राजधानीके विषयमे अपन विचार सामाजिक सञ्जालमे अपन विचार पोस्ट कएने छथि । वएह पोस्टसभक सम्पादित अंश ।

प्रदेश नम्बर २ के राजधानी जनकपुर वा विरगंज विषयके लऽ कऽ अखन बहस जोड पकड्ने अछि । एहि विषयमे प्रदेश नम्बर २मे रहएबला व्यक्तिसभ बिच दू खेमा देखल जा रहल अछि । एतबी नहि नेतासभ बिचमे सेहो दू खेमा अछि । एहिपर सामाजिक सञ्जालमे सेहो बहस भेल सहजहि देखल जा सकैत अछि । बहुतो गोटे राजधानीके विषयमे अपन विचार सामाजिक सञ्जालमे अपन विचार पोस्ट कएने छथि । वएह पोस्टसभक सम्पादित अंश ।

राजधानी तऽ जनकपुरधामे बनत चाहे एहि प्रदेशक नाम जे हुए । अन्यथा युवासभ आन्दोलन करए नहि बिसरल अछि । जनकपुरधामक विकल्प राजधानीक लेल प्रदेश नम्बर २ मे नहि अछि ।


सरोज मिश्र
……………………….
मधेशक भूमिके सभसँ प्राचिन शहर जनकपुरधाम अछि । एहिके कात लगा कऽ दोसर शहरके राजधानीक रुपमे चर्चाधरि नहि कएल जा सकैत अछि । तएँ जनकपुर एहि प्रदेशक राजधानी बनत एहिमे विश्वस्त छी ।


राम दयाल
…………………..
प्राचिन कालेसँ मिथिलाक राजधानी जनकपुर धाम अछि । जनकपुरधामक ऐतिहासिकता बहुत पुरान अछि । राजधानी होबएके लेल जेसभ चाही से एहिठाम अछि । जनकपुरधाम हरेक चिजसँ प्रदेश नम्बर २के राजधानीक लेल उपयुक्त अछि ।


भरत यादव
……………………
मिथिलाक सनातन सांस्कृतिके ध्यानमे रखैत प्रदेश नम्बर २के राजधानी जनकपुरके बनाबए चाही । धार्मिक सांस्कृतिक पहिचान रहल जनकपुर छोडि दोसर शहरक एहि प्रदेशके राजधानी नहि बनाओल जा सकैत अछि ।


बिकाउ कापर
……………….
राजधानी होबए लेल जे भौतिक पुर्वाधार आवश्यक होइत अछि ओहिमे जनकपुर सम्पन्न अछि । प्रदेश नम्बर २के निर्विकल्प राजधानी जनकपुर अछि । एहि विषयमे निरर्थक बहस करएके कोनो फाइदा नहि अछि ।

विनोद कुमार

…………………………..

About Sujeet Jha

Check Also

दशमीक धुम जनकपुरमे बहुत बेसी देखल गेल । मन्दिरसभमे दिनभरि भीड़ सेहो लागल रहल । दशमीक उत्साह सभकिओमे देखल गेल छल । एहिबेर विभिन्न क्षेत्रक लोक दशमी कोना मनौलन्हि एहि सम्बन्धमे हमरसभक सहकर्मी सोहन ठाकुर आ शम्भु प्रसाद शाह प्रेमी बातचित कएलन्हि ।

  कलाकारसभक दशमी व्यस्तताक बिच बितैत अछि । अहुबेर दशमी किछु दिन घरक सदस्यसभ संग …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com