दूधमती समाचारदाता
जनकपुरधाम
मैथिल ब्राह्मण महासभासंग आवद्ध युवासभक भेलाद्वारा महोत्तरीमे युवा समिति गठन कएल गेल अछि । पिपरा गाउँपालिकाक अरविन्द साधना कुटिरमे भेल ओ भेलामे जिल्लाभरिक ब्राह्मणसभक सहभागिता छल ।
युवा समितिक संयोजकमे सुभाषकुमार मिश्रके चयन कएल गेल । जिल्ला कमिटी एक सय ३१ सदस्यीय रहल अछि ।
गठन समारोहमे आयोजित कार्यक्रममे बक्तासभ ब्राह्मणक विकासक लेल संगठित होएव आवश्यक रहल चर्चा कएलन्हि । ब्राह्मणके शिक्षापर जोड देवए पडत कहैत ओसभ सभदिन शिक्षाके नेतृत्व ब्राह्मण सभ करैत आएल आ एहिसँ समाजके हरेक क्षेत्रके फाइदा भेल अछि उल्लेख कएलन्हि ।
मैथिल ब्राह्मण महासभाक केन्द्रिय अध्यक्ष भगवान झा कहलन्हि संगठनसँ शक्ति बढैत अछि ई सत्यके सभके बुझए पडत । संगठन, विकास, उत्थान आ मैथिली सांस्कृति केन्द्र निमार्णपर एकसंग काज चलिरहल ओ जानकारी देलन्हि ।

यो पनि पढ्नु होस्

corona

corona update