Home / हम्मर आवाज / प्रदेश तथा प्रतिनिधिसभाक निर्वाचन नजदिक आबि रहल समयमे पार्टी प्रवेशक होड़ चलल अछि । जनकपुरमे तऽ नेपाली कांग्रेसमे प्रवेश करएबला किछु बेसीए भीड़ देखल जा रहल अछि ओहुमे साह थरक व्यक्तिसभ । एहिपर बहुतो गोटे सामाजिक सञ्जालक माध्यमसँ प्रतिक्रिया देने छथि । किछु प्रतिक्रियाक सम्पादित अंश ।

प्रदेश तथा प्रतिनिधिसभाक निर्वाचन नजदिक आबि रहल समयमे पार्टी प्रवेशक होड़ चलल अछि । जनकपुरमे तऽ नेपाली कांग्रेसमे प्रवेश करएबला किछु बेसीए भीड़ देखल जा रहल अछि ओहुमे साह थरक व्यक्तिसभ । एहिपर बहुतो गोटे सामाजिक सञ्जालक माध्यमसँ प्रतिक्रिया देने छथि । किछु प्रतिक्रियाक सम्पादित अंश ।

 

हमरा तऽ लगैया नेपाली काङ्ग्रेसक सिद्धान्तप्रति हुनकासभके झुकाव बढि रहल छन्हि । उपरसँ विमलेन्द्र निधिप्रतिके विश्वास सेहो विश्वास बढए लगलासँ नेपाली कांग्रेसमे सभकिओ धमाधम प्रवेश कऽ रहल छथि ।
जीवनाथ चौधरी
……………….

हमरा तऽ ठीके लागि रहल अछि । धीरे धीरे नेपाली कांग्रेसक मधेशप्रतिके सोच लोकसभ बुझए लागल छथि । युवासभ तएँ नेपाली कांग्रेसमे प्रवेश कऽ रहल छथि हमरा लगैया ।
मधुकान्त चौधरी
………………………………..

जतेक गोटे ओहि पार्टीमे प्रवेश कऽ रहल छथि अधिकांशके व्यापारिक पृष्ठभूमि अछि । ओसभ क्षणिक लाभके लेल नेपाली कांग्रेसमे प्रवेश कऽ रहल छथि मुदा एहिसँ होबएबला दूरगामी असरसँ अनभिज्ञ छथि ।
राजेन्द्र महतो
………………

युवासभक एहन निर्णय स्वागत योग्य छन्हि । थर कोनो अर्थ नहि रखैत छथि । हिनकरसभक ई निर्णय वुद्धिमतापूर्ण निर्णय छन्हि । धीरे धीरे आन आन लोक सेहो बुझए लगता ।
युगलकिशोर निधि
……………………..

प्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवा जनकपुरे आबि कऽ कहि गेलखीन मालिक बना देब । हिनकासभके मालिक बनएके होड शुरु भऽ गेल छन्हि । तएँ नेपाली कांग्रेसमे प्रवेश करएबलाके बेसी भीड देखल जा रहल छैक ।
शैलेन्द्र महतो

About Sujeet Jha

Check Also

दशमीक धुम जनकपुरमे बहुत बेसी देखल गेल । मन्दिरसभमे दिनभरि भीड़ सेहो लागल रहल । दशमीक उत्साह सभकिओमे देखल गेल छल । एहिबेर विभिन्न क्षेत्रक लोक दशमी कोना मनौलन्हि एहि सम्बन्धमे हमरसभक सहकर्मी सोहन ठाकुर आ शम्भु प्रसाद शाह प्रेमी बातचित कएलन्हि ।

  कलाकारसभक दशमी व्यस्तताक बिच बितैत अछि । अहुबेर दशमी किछु दिन घरक सदस्यसभ संग …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com