Home / अभियान / दूधमती सफाईके तीव्र बनाओल जाए

दूधमती सफाईके तीव्र बनाओल जाए

 

नविन सिंह, सञ्चारकर्मी
दूधमती हम्मर अहाँक प्रतिष्ठा सँ जुड़ल नदि अछि । एकर इतिहास बेर बेर हमरा अहाँके गौरवान्वित करैत आएल अछि । त्रेता युगके इतिहास रहल दूधमती आई अपने इतिहास बनएके कगारपर पर अछि । एहि नदिके पुनर्जीवित कएनाइ अति आवश्यक अछि ।
जाहि हिसाबसँ गंगासागर पोखरिके सरसफाइके लेल सम्पूर्ण नगर वासी आगा आएल छलथि
ओही हिसाब सँ दूधमतीक सफाइके लेल सेहो धनुषावासीके आगा एबाक चाही ।
एकर शुद्ध आ कञ्चन पानि फेरसँ बहाबएके लेल दूधमतीके जीवित रखनाइ अति आवश्यक अछि । कहिओ पुजा पाठ करए जनकपुर पहुँचबला व्यक्तिक स्नानक केन्द्र रहल दूधमती नदि मे पानिके बहाव धरि किछु महिना रुकि जाइत अछि । एहन अवस्थास दूधमतीके उबारएके लेल उदगमे स्थलसँ सरसफाइ भेनाई आवश्यक अछि । यदि दूधमती नदिके पुनर्जीवित कएल जा सकल तऽ जनकपुरक विकासक गाडी सेहो पटरीपर अबैत देरी नहि लागत हमरा बुझाइत अछि ।
जनकपुरमे बहुतो पोखरिसभके अभियाने चला कऽ सरसफाई कएल गेल अछि, जे प्रशंसनीय काज अछि । मुदा अतबीपर अभियानके सीमित राखब सेहो उचित नहि हएत । दूधमती नदिके त्रेताकालिन इतिहास अछि ई बात ककरोसँ नुकाएल नहि अछि । तऽ किए नहि किओ दूधमतीके पुनः ओकर अपन अस्तित्व देबए लेल आगु आबि रहल छथि ।
यदि दूधमतीक संरक्षणक लेल यदि कोनो अभियानक शुरुवात होइत अछि तऽ हम निस्वार्थ भावसँ एकर संरक्षणमे लागए लेल तत्पर छी ।
दूधमती जे जनकपुरके युगो सँ गौरवान्वित बनबैत आएल अछि । अहु सँ गौरवके बात इ जे एहि नदिक उदगम स्थल सेहो धनुषामे परैत अछि । दूधमती जे हजारो बर्षके इतिहास बोक्ने अछि एकर संरक्षण कएनाइ अति आवश्यक अछि ।

About Sujeet Jha

Check Also

दूधमतीक संरक्षणक लेल युवा क्लवसभके अग्रसरता देखाबए पड़त

अवधेश कामत, संचारकर्मी । जनकपुरवासी सेहो आब सरसफाई दिस आगा बढए लागल छथि । विश्वभरि …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com