Home / हम्मर आवाज / दियावाती छठि अबिते जानकी मन्दिरक प्राङ्गणमे बजार लगबा देल जाइत अछि । जाहिसँ मन्दिरक प्राङ्गण सेहो गन्दा भेल करैत अछि । एहिके सामाजिक सञ्जालमे सेहो खुब जोडतोडके संग आलोचना भऽ रहल अछि । सामाजिक सञ्जालमे देल प्रतिक्रियाक सम्पादित अंश ।

दियावाती छठि अबिते जानकी मन्दिरक प्राङ्गणमे बजार लगबा देल जाइत अछि । जाहिसँ मन्दिरक प्राङ्गण सेहो गन्दा भेल करैत अछि । एहिके सामाजिक सञ्जालमे सेहो खुब जोडतोडके संग आलोचना भऽ रहल अछि । सामाजिक सञ्जालमे देल प्रतिक्रियाक सम्पादित अंश ।

 

जानकी मन्दिरमे अखन बजार लगौलासँ गन्दा तऽ भेल अछि । मुदा ई धीरे धीरे व्यवस्थित कएल जाएत से हमरा विश्वास अछि । एहिक लेल निराश होबएके आवश्यक्ता नहि अछि ।
श्याम नारायण झा
………………..

हम ई नहि सोचैत छी । दियावातीसँ छठिधरि तऽ मन्दिरमे बजार लगाओल जाइत अछि । एहिसँ बहुतो गोटेके परिवार सेहो चलैत अछि । हम तऽ एहिके किछु दिनक मेला मानैत छी ।
पर्शुराम चौधरी
………………

मन्दिरमे अहिना बजार लगैत रहत । एहिके कतेक गोटे आम्दानीक श्रोत बनोने छथि । जहिआधरि हुनकासभके एहिसँ आम्दानी अबैत रहत तहिआधरि मन्दिरमे बजार लगिते रहत ।
विजय साह
………………

जानकी मन्दिरक परिसरमे बजार नहि लागएके चाही । पावनिके समयमे पावनिक सामानसभके सेहो आवश्यक्ता होइत अछि । तएँ एहन बजार मन्दिर प्राङ्गणसँ बाहर लगाबएके दिशामे सोचबाक चाही ।
सुरेश शर्मा
………………

मन्दिरमे बजार लगाएब कोनो नव बात नहि रहि गेल अछि । बहुत पहिनेसँ एहि समयमे मन्दिरक प्राङ्गणमे बजार लगैत आएल देखने छी । एहिके आदत हमरासभके पडि गेल अछि ।
अजय कुमार मिन्टु

About Sujeet Jha

Check Also

दशमीक धुम जनकपुरमे बहुत बेसी देखल गेल । मन्दिरसभमे दिनभरि भीड़ सेहो लागल रहल । दशमीक उत्साह सभकिओमे देखल गेल छल । एहिबेर विभिन्न क्षेत्रक लोक दशमी कोना मनौलन्हि एहि सम्बन्धमे हमरसभक सहकर्मी सोहन ठाकुर आ शम्भु प्रसाद शाह प्रेमी बातचित कएलन्हि ।

  कलाकारसभक दशमी व्यस्तताक बिच बितैत अछि । अहुबेर दशमी किछु दिन घरक सदस्यसभ संग …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com