Home / हम्मर आवाज / दशमीक धुम जनकपुरमे बहुत बेसी देखल गेल । मन्दिरसभमे दिनभरि भीड़ सेहो लागल रहल । दशमीक उत्साह सभकिओमे देखल गेल छल । एहिबेर विभिन्न क्षेत्रक लोक दशमी कोना मनौलन्हि एहि सम्बन्धमे हमरसभक सहकर्मी सोहन ठाकुर आ शम्भु प्रसाद शाह प्रेमी बातचित कएलन्हि ।

दशमीक धुम जनकपुरमे बहुत बेसी देखल गेल । मन्दिरसभमे दिनभरि भीड़ सेहो लागल रहल । दशमीक उत्साह सभकिओमे देखल गेल छल । एहिबेर विभिन्न क्षेत्रक लोक दशमी कोना मनौलन्हि एहि सम्बन्धमे हमरसभक सहकर्मी सोहन ठाकुर आ शम्भु प्रसाद शाह प्रेमी बातचित कएलन्हि ।

 


कलाकारसभक दशमी व्यस्तताक बिच बितैत अछि । अहुबेर दशमी किछु दिन घरक सदस्यसभ संग पूजापाठ कऽ बितेलहुँ, किछु घुमबो कएलहुँ आ जहिआ जहिआ सांस्कृतिक कार्यक्रमसभ प्रस्तुत करबाक छल ओहि दिन दर्शकसभके मनोरञ्जन प्रदान करैत बितेलहुँ । । ओना दशमी हमर उत्साहजनक रुपमे बितल ।
धीरज ठाकुर
…………………………………….

दशमी एहिबेरक हमरासभके लेल बहुत नीक रहल । राजपाक जनपकपुर उपमहानगरपालिकामे जीत आ उपरसँ दशमी हमरसभक दशमीक रौनकता बढि गेल । ओना दशमी माता दुर्गाक पूजा पाठ दशु दिन कऽ आ किछु घुमघाम कऽ मनेलहुँ ।
पुनम झा मैथिली
……………………………….

षष्ठीधरि जनकपुरक दशमी बुझहीमे नहि आएल किए तऽ अपन काजमे ब्यस्त रही । मुदा एहिबेरक दशमी हमरा लेल नहि ओतेक बेसी हर्ष आ नहि ओतेक उदास बितल । सप्तमीसँ सांस्कृति कार्यक्रम सबमे फेर अप उपस्थिति जनेलहुँ ।
राजेश सक्सेना
……………………………

आन वर्षक तुलनामे हमर अहि वर्षक दशमी पूरा उदास रहल । मुदा एहि वर्षक दशमी कोना आएल आ कोना गेल सेहो निकसँ नहि बुझए सकलहुँ । किए तऽ दशमीक मुहेमे स्थानीय निकायके निर्वाचनके कारण पूरा रिपोर्टिङमे व्यस्त रहए पडल । सप्तमीके बाद कनीमनी घूमघाम कएलहुँ ।
शैलेन्द्र महतो
…………………………………..

दशमी हमरासभके लेल उत्साहपूर्ण रहल । हँशपुर नगरपालिकामे राजपा जीतल । दशमीक उपहार हमरासभके लेल इएह छल । ओना भरि दशमी परिवारसंग समय बितेलहुँ । नवरात्री माता दुर्गाके भव्यता पूर्वक पूजापाठ कऽ बितेलहुँ ।
रमण सिंह

About Sujeet Jha

Check Also

दियावाती छठि अबिते जानकी मन्दिरक प्राङ्गणमे बजार लगबा देल जाइत अछि । जाहिसँ मन्दिरक प्राङ्गण सेहो गन्दा भेल करैत अछि । एहिके सामाजिक सञ्जालमे सेहो खुब जोडतोडके संग आलोचना भऽ रहल अछि । सामाजिक सञ्जालमे देल प्रतिक्रियाक सम्पादित अंश ।

  जानकी मन्दिरमे अखन बजार लगौलासँ गन्दा तऽ भेल अछि । मुदा ई धीरे धीरे …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com