Home / हम्मर आवाज / जनकपुर उपमहानगरपालिकाक मेयर भेलाक बाद प्रमुख उम्मेदवारसभ कि करता ? एहि सम्बन्धमे हुनकासभसंग बातचित कएलहुँ तकर सार संक्षेप ।

जनकपुर उपमहानगरपालिकाक मेयर भेलाक बाद प्रमुख उम्मेदवारसभ कि करता ? एहि सम्बन्धमे हुनकासभसंग बातचित कएलहुँ तकर सार संक्षेप ।

 


जनकपुर विकासक दृष्टिसँ सभ दिन पिछडल रहल अछि । विकासक लेल एकटा योजना बनाबए पड़त आ ओ योजना लऽ कऽ आगा बढए पडत । जनकपुरमे सडक आ नाला निर्माणक काज भऽ रहल अछि एकर गुणस्तरियता पर प्रश्न अछि । एकरा सुधार कऽ कऽ आगा बढाबए पडत । मधेशक माँग सम्बोधनक लेल बल देब ।
लाल किशोर साह
मेयर पदक उम्मेदवार
राष्ट्रिय जनता पार्टी, नेपाल
………………………………….

 

जनकपुरमे जाहि रुपसँ सडक बनि रहल अछि आबएबला दिनमे देशक सभसँ सुन्दर शहर बनत । मुदा परिक्रमा सडक बाहेक एकटा अलग रिंगरोड बनाबए पडत । जनकपुरक सडकसभके विस्तार करए पडत । मठ मन्दिरके संरक्षण कऽ पर्यटन क्षेत्रके विकास करए पड़त ।
मनोज साह
मेयर पदक उम्मेदवार
नेपाली कांग्रेस
……………………………….

 

जनकपुरके महानगरपालिका बनाबए पडत । एहिके लेल एमाले शुरुएसँ लागल अछि । विकास करबाक लेल राज्यके अतिरिक्त बजेट देबए पडत । सडक आ नाला निर्माणमे जोड देब । पर्यटनके विकास करब ।
लक्ष्मी नारायण भगत
मेयर पदक उम्मेदवार
नेकपा एमाले
……………………………….

मेयर होइते एडिबी परियोजना अन्तर्गत जनकपुरमे निर्माण काज जे भऽ रहल अछि ओकरा रोकब आ अनियमितता रहितके काज आगा बढाएब । एखनके काजसँ जनकपुरके विकास नहि विनाश भऽ रहल अछि । एहि संगहि धार्मिक पर्यटनके बढाबा देब । मधेशक माँग सम्बोधनक लेल बल देब ।
विष्णुदेव साह
मेयर पदक उम्मेदवार
संघिय समाजवादी फोरम, नेपाल
………………………………………..

 

जनकपुरके विकास योजनाबद्ध ढंगसँ नहि भऽ रहल अछि । एहिके लेल काज करब । सफाईमे जोड देब । धार्मिक पर्यटनके बढाबा देब । पर्यावरणक सुरक्षाक लेल सेहो काज करब । गरिब जनताके स्वास्थ्य क्षेत्रमे कोना पहुँच बढैक ताहिक लेल सेहो काज करब । दलित पिछडल बर्गक लेल सेहो विशेष योजना आनब ।
उमेश साह
मेयर पदक उम्मेदवार
नयाँ शक्ति पार्टी, नेपाल

About Sujeet Jha

Check Also

दियावाती छठि अबिते जानकी मन्दिरक प्राङ्गणमे बजार लगबा देल जाइत अछि । जाहिसँ मन्दिरक प्राङ्गण सेहो गन्दा भेल करैत अछि । एहिके सामाजिक सञ्जालमे सेहो खुब जोडतोडके संग आलोचना भऽ रहल अछि । सामाजिक सञ्जालमे देल प्रतिक्रियाक सम्पादित अंश ।

  जानकी मन्दिरमे अखन बजार लगौलासँ गन्दा तऽ भेल अछि । मुदा ई धीरे धीरे …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com