Home / हम्मर आवाज / तीन दल स्थानीय तहक तेसर चरणक लेल प्रचार प्रसार प्रदेश नम्बर २मे तीव्र कऽ देने अछि । मुदा राजपा अखनोधरि संशयके स्थितिमे अछि बिरोध करु वा चुनावमे जाउ । राजपाके चुनावमे जएबाक चाही वा बिरोधमे एहिपर बहुतो गोटे सामाजिक सञ्जालमे अपन अपन मत रखने छथि । प्रस्तुत हुनकेसभक किछु बात ।

तीन दल स्थानीय तहक तेसर चरणक लेल प्रचार प्रसार प्रदेश नम्बर २मे तीव्र कऽ देने अछि । मुदा राजपा अखनोधरि संशयके स्थितिमे अछि बिरोध करु वा चुनावमे जाउ । राजपाके चुनावमे जएबाक चाही वा बिरोधमे एहिपर बहुतो गोटे सामाजिक सञ्जालमे अपन अपन मत रखने छथि । प्रस्तुत हुनकेसभक किछु बात ।

 

मधेशक जनता अखनो असमञ्जसके स्थितिमे अछि । मधेसी जनताक एहि स्थिती सँ बाहर निकलए पड़त । सभकिओके एकटा कठोर आ ठोस निर्णय लेब आवश्यक अछि । अन्यथा एहने स्थिति बनल रहत ।
रंजन झा
…………………..

चुनावमे जाएके तऽ बाते नहि कएल जा सकैत अछि । मधेश आ मधेशीक अधिकार नहि भेटएधरि निर्वाचनमे भाग किए लेत ? बिरोधक तैयारी कऽ निर्वाचनके बहिष्कार करबा दिस लागए पड़त ।
अरुण झा
………………….

मधेशी जनता चुनावमे जएबाक लेल शहीद नहि भेल अछि । ओ सभ अपन प्राणक आहुती अधिकार प्राप्तिक लेल देने छलथि । तएँ शहीदसभक सम्मानक लेल अधिकार प्राप्ति नहि होबएधरि चुनावमे जाएब गलत निर्णय हएत ।
धर्मेन्द्र साह
………………………

 

चुनावमे नहि जएबाक लेल मधेशी जनतासँ अनुरोध करैत छी । तथापि नेपालमे किछु भऽ सकैत अछि । एहि ठाम जबरदस्ती संविधानक निर्माण कएल जा सकैत अछि तऽ चुनाव करौनाई सामान्य बात अछि ।
कृष्ण देव महतो
………

मिथिलामे आगन्तुकसभके फूल पानसँ स्वागत करबाक पुरान परम्परा अछि । जे सभ चुनावक प्रचारमे अबैत छथि आबए दियौन । बादबाँकी सभकिछु माता जानकीपर छोडि दियौन । जे करथिन ओहे करथिन ।
भवन चौधरी
………………………….

अखनके समयमे चुनावमे जाएब गन्दा निर्णय हएत । कारण चुनावमे सहभागी भेने बिना अपन मुद्दाके स्थापित करब बडका बात होइत अछि । दोसर बात मधेशक अधिकारक नाम भेल शहीदसभके सम्मानके लेल सेहो बिना संशोधनके चुनावमे नहि जएबाक चाही ।
किरण कर्ण

About Sujeet Jha

Check Also

दियावाती छठि अबिते जानकी मन्दिरक प्राङ्गणमे बजार लगबा देल जाइत अछि । जाहिसँ मन्दिरक प्राङ्गण सेहो गन्दा भेल करैत अछि । एहिके सामाजिक सञ्जालमे सेहो खुब जोडतोडके संग आलोचना भऽ रहल अछि । सामाजिक सञ्जालमे देल प्रतिक्रियाक सम्पादित अंश ।

  जानकी मन्दिरमे अखन बजार लगौलासँ गन्दा तऽ भेल अछि । मुदा ई धीरे धीरे …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com