Home / बातचित / एमालेमे डेट एक्सपायर नहि इन्रजेटिकके प्रवेश करा रहलः सुधिर प्रसाद साह वैकल्पिक केन्द्रिय सदस्य, नेकपा एमाले

एमालेमे डेट एक्सपायर नहि इन्रजेटिकके प्रवेश करा रहलः सुधिर प्रसाद साह वैकल्पिक केन्द्रिय सदस्य, नेकपा एमाले

तेसर चरणक स्थानीय तहके चुनाव नजदिक आबि रहल समयमे नेकपा एमाले अत्याधिक सक्रियता देखा रहल अछि । पहिल आ दोसर चरणक स्थानीय तहक चुनावजकाँ एकरो कब्जा करी उद्देश्य देखल जा रहल अछि । मधेश बिरोधी छवि बनौने एमालेके मधेशमे कोना स्वीकारोक्ति भेटत एहि सम्बन्धमे दूधमतीक सम्पादक सुजीत कुमार झा नेकपा एमालेक वैकल्पिक केन्द्रिय सदस्य सुधिर प्रसाद साहसंग बातचित कएलन्हि ।


प्र. नेकपा एमाले मधेशमे बहुत सक्रियता देखा रहल अछि एकरो कब्जा करबाक छैक कि ?
निसन्देह । जहिना पहिल आ दोसर चरणक स्थानीय तहक चुनावमे नेकपा एमाले बडका दल बनल ठीक ओहिना अहु क्षेत्रमे बनैक ताहिमे हमसभ लागल छी । अखन हमरासभके अभियान युद्धस्तरमे चलि रहल अछि ।
प्र. मधेश बिरोधी छवि एमालेके देखल जाइत अछि एहनमे मधेशी सभ कोना मत देत ?
हमरासभके विषयमे पहिल आ दोसर चरणक चुनावमे सेहो कहल जाइत छल कांग्रेससँ कम मत आएत, सीट आओत मुदा से नहि भेल । इएह स्थिति मधेशमे सेहो हएत । जहाँधरि मधेश बिरोधीक बात छैक नेकपा एमाले मधेशीके बिरोधीके बात कखनो नहि करैत अछि ।
प्र. मधेश बिरोधी बात नहि करैत अछि त संविधान संशोधनमे एमालेसँ बडका बाधक कोनो दल नहि देखल जाइत अछि ?
ईहो कहएके पाछा षडयन्त्र छैक । नेपाली कांग्रेस, माओवादी केन्द्र आ मधेशी मोर्चा बिच अपने एकता नहि अछि । एक दिस सरकारके समर्थन करैत छी आ दोसर दिस ओहेसभ बात घुमबैत अछि । हमसभ संविधान संशोधनक लेल तैयार छी । मुदा सत्ते पक्षमे बिरोध अछि । मधेश बिना समग्र राष्ट्रक परिकल्पना नहि कएल जा सकैत अछि । ई सत्यके हमसभ बुझैत छी ।

प्र. मधेश बिना समग्र राष्ट्रके परिकल्पना नहि कएल जा सकैत अछि ई बात अपनेसभ मात्र बुझैत छियैक वा केपी ओली, माधव नेपाल आ झलनाथ खनालसभ सेहो बुझैत छथि ?
सभ बुझैत छथि । विकासोके दृष्टिसँ देखल जाए तऽ मधेशक लेल जतेक काज नेकपा एमाले नेतृत्वक सरकार कएने अछि ओतेक कोनो नहि । संविधानो संशोधन एमालेके प्रयाससँ मात्र सम्भव हएत ।
प्र. ई बात अपनेसभ बुझैत छियैक तेकरबादो किए नहि नेतासभके कहैत छियैक संशोधनक लेल काज आगा बढाबए लेल ?
हम पहिनहि कहि चुकलहुँ जे संविधान संशोधनक बाधक कांग्रेस, माओवादी आ मधेशी मोर्चा अछि । एक दिस कहैत अछि सत्ताधारी छी मुदा एक मत नहि अछि ।
प्र. जनकपुर उपमहानगरपालिकाक लेल कोना तैयारी चलि रहल अछि ?
जनकपुर उपमहानगरपालिकाक मेयरमे कोनो हालतमे एमाले जितत । कारण कांग्रेसके देख कऽ जनकपुरक जनता बुझि गेल अछि । बर्षोसँ कांग्रेस एहिठाम नेतृत्व करैत अछि मुदा विकास शुन्य । विकासक अवरोधकके तह लगाओत ।
प्र. कहल जाइत छैक अपनेसभके पार्टीसँ उम्मेदवारी देबाक लेल सेहो लोक ईच्छुक नहि अछि ?
अपनेके बुझाइत हएत । हमसभ तऽ हरेक एक्सरसाइज पूरा कऽ लेने छी । आब ओ फेर बित गेलैक के ईच्छुक अछि वा नहि । हमसभ सभ किछु चयन कऽ लेने छी । आब उम्मेदवारी देब आ जितब ।

प्र. के छथि अपनेसभक उम्मेदवार ?
चुनावक नजदिकके समय आबए दियौ जल्दिए अपनहीसभके बजा घोषणा करब ।
प्र. अपनेके आई काल्हि ओतेक सक्रियता नहि देखल जाइत अछि कि कारण छैक ?
नहि तेहन बात नहि छैक । मिडियामे ओतेक नहि आबएके कारण सक्रियता आ असक्रियता नहि होइत अछि । पार्टी हमरा जे जिम्मेबारी देने अछि ताहिमे लागल छी । प्रदेश नम्बर २के चुनावके लऽ कऽ आन्तरिक आ बाह्य राजनीतिमे सक्रिय छी । एहिके लेल विभिन्न बैठकसभके भाग लऽ रहल छी ।

प्र. अपनेके पार्टीमे आइकाल्हि डेट एक्सपायर मधेशी नेतासभके बडका बडका माला लगा कऽ आनल जाइत अछि ?
पार्टीके सिद्धान्त आ विचार मानएबला हरेक व्यक्तिक लेल द्वार खुला छैक । जे सभ आबए लेल ईच्छुक छथि हुनकासभके लेल स्थान देल जा रहल अछि । एकरा डेट एक्सपायर कहनाई उचित नहि हएत ।

About Sujeet Jha

Check Also

कड़ा आन्दोलनो करब आ जल्दिए संघिय सरकारके देने समर्थन फिर्तो लेबः परमेश्वर साह, सचेतक राष्ट्रिय जनता पार्टी, प्रदेश २

संविधान बिरोधी आन्दोलनके राष्ट्रिय जनता पार्टी जनकपुरधाममे विशेष तैयारी कऽ रहल अछि । एहि तैयारीसँ …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com