Home / हम्मर आवाज / मधेशक अधिकारके लेल लडि रहल पार्टीसभमेसँ ६ टा पार्टी बिच एकता भेल अछि । एहि पार्टीसभक एकताक बाद नव राष्ट्रिय पार्टी राष्ट्रिय जनता पार्टीक जन्म भेल अछि । एहिके लऽ कऽ सामाजिक सञ्जालमे बहुतो गोटे खुशी व्यक्त कऽ रहल छथि तऽ किछु गोटे अखनो आशंका व्यक्त कऽ रहल छथि । प्रस्तुत अछि किछु गोटेक पोस्टके सम्पादित अंश ।

मधेशक अधिकारके लेल लडि रहल पार्टीसभमेसँ ६ टा पार्टी बिच एकता भेल अछि । एहि पार्टीसभक एकताक बाद नव राष्ट्रिय पार्टी राष्ट्रिय जनता पार्टीक जन्म भेल अछि । एहिके लऽ कऽ सामाजिक सञ्जालमे बहुतो गोटे खुशी व्यक्त कऽ रहल छथि तऽ किछु गोटे अखनो आशंका व्यक्त कऽ रहल छथि । प्रस्तुत अछि किछु गोटेक पोस्टके सम्पादित अंश ।

६ टा पार्टी बिच एकतासँ हम बहुत बेसी उत्साहित छी । एकता भेलाक बाद आब अपन आवाज उठाबए लेल हुनकासभके समस्या नहि हएत । संगे मधेशक अधिकारके बात सुनएपर ओ सभ अन्य पार्टीके मजबुर कऽ सकैत छथि ।
बबलु चौधरी
…………………………………..
मधेशक ६टा पार्टी बिच एकता भऽ कऽ राष्ट्रिय जनता पार्टीक जन्म हएब नीक संकेत अछि । मुदा एकताक खुशीमे अपन अधिकारक बात नहि बिसरि जाइ ओहि दिस सेहो सचेत रहब हमरा आवश्यक बुझाइत अछि ।
मुकेश आनन्द
………………………………………………
६ टा पार्टी एकता कऽ कऽ एकठाम आएल अछि । मुदा संघिय समाजवादी फोरमक नेतृत्व कऽ रहल उपेन्द्र यादवजी एहि एकता प्रकृयामे किए नहि एलथि से बुझएमे नहि आबि रहल अछि । ओहो एहि एकता प्रकृयामे शामिल होइतथि तऽ बहुत नीक रहैत ।
राजीव मिश्र
………………………………….
खुशीक बात अछि मधेशक शक्तिसभ एकठाम भेनाई । मुदा जे दलसभ मधेशक वकालत कऽ कऽ ओतएधरि पहुँचल छथि ओहेसभ मधेश शब्दके नव पार्टीक नामसँ किए हटौलथि से बुझव कठिन अछि ।
दिपेन्द्र दास
……………………………………………
ई दलसभ एकठाम एलासँ हमरा लागि रहल अछि जे जल्दिए मधेशक माँगसभ पूरा हएत । आब आवाज आओर बुलन्द रुपसँ उपर जाएत । ई एकता आओर बेसी मजगुत भऽ आगा बढैत रहए से अपेक्षा रखने छी ।
राम कुमार
……………………………………….
मधेशक ६टा पार्टीसभ एकठाम आबि कऽ नीक सन्देश देबए सफल भेल अछि । जे सभ काल्हिधरि मधेशी दलके गरियाबएमे अपन समय खर्च करैत छलथि आई हुनकासभके चुप्प होबए पडि रहल छन्हि ।
विष्णुदेव पासमान

About Sujeet Jha

Check Also

दियावाती छठि अबिते जानकी मन्दिरक प्राङ्गणमे बजार लगबा देल जाइत अछि । जाहिसँ मन्दिरक प्राङ्गण सेहो गन्दा भेल करैत अछि । एहिके सामाजिक सञ्जालमे सेहो खुब जोडतोडके संग आलोचना भऽ रहल अछि । सामाजिक सञ्जालमे देल प्रतिक्रियाक सम्पादित अंश ।

  जानकी मन्दिरमे अखन बजार लगौलासँ गन्दा तऽ भेल अछि । मुदा ई धीरे धीरे …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com