मैथिली कथा गोष्ठी सम्पन्न, प्रेरणा प्रथम

Byदूधमती साप्ताहिक

२ बैशाख २०८१, आईतवार १०:१७ २ बैशाख २०८१, आईतवार १०:१७ २ बैशाख २०८१, आईतवार १०:१७

दूधमती समाचारदाता
जनकपुरधाम

मैथिली कथा गोष्ठी शनिदिन एक समारोह बीच सम्पन्न भेल अछि । कथा गोष्ठीमे विद्यार्थीसभक उल्लेख्य सहभागिता रहल छल । कथा गोष्ठीमे प्रथम प्रेरणा तिवारी, द्वितिय आशुतोष झा आ तृतिय कल्पना ठाकुर भेलथि ।
छात्रा संध्या भगतक अध्यक्षतामे भेल ओ समारोहमे कल्पना ठाकुर, प्रेरणा तिवारी, आशुतोष झा, शिवानी मिश्र, रोशन जनकपुरी, सुजीत कुमार झा सहितक कथाकारसभ कथावाचन कएलन्हि । प्रियम झा आ हेमा साह कविता बाचन कएने रहथि ।
कथा गोष्ठीमे कथा लेखनक तैयारी सम्बन्धमे समालोचक एवं कथाकार रोशन जनकपुरी विद्यार्थीसभकेँ जानकारी करौलन्हि ।
मैथिली विकास कोषक अध्यक्ष जीवनाथ चौधरी, कोषक सदस्य रामचन्द्र दास, रामानन्द युवा क्लवक पूर्व अध्यक्ष नविन मिश्र सहितक वक्तासभ बाजल छलथि ।

लेखक बारे