गैर सरकारी संस्था महासंघ धनुषाक अध्यक्षमे संजय साह निर्वाचित

Byदूधमती साप्ताहिक

१९ चैत्र २०८०, सोमबार १५:५६ १९ चैत्र २०८०, सोमबार १५:५६ १९ चैत्र २०८०, सोमबार १५:५६

दूधमती समाचारदाता
जनकपुरधाम

गैर सरकारी संस्था महासंघ धनुषाक अध्यक्षमे संजय साह निर्वाचित भेला अछि । साह सिआइसी धनुषक अध्यक्ष छथि । जानकी आँखा अस्पताल जनकपुरधामक कोषाध्यक्ष रहि चुकल साहकेँ महासंघक अध्यक्षमे सर्वसम्मतिसँ चयन कएल गेल अछि ।
महासंघक उपाध्यक्षमे मञ्जु यादव, सचिवमे राजकुमार मण्डल, सहसचिवमे चाँदनी झा, कोषध्यक्षमे मिनिता ठाकुर तथा सदस्यमे श्याम यादव, सतिशचन्द्र यादव, उमेश साह आ उमेश मण्डलकेँ चयन कएल गेल अछि ।
निर्वाचनसँ पूर्व आयोजित साधारण सभाकेँ उदघाटन करैत खेलकूद तथा समाजकल्याण मन्त्री सुरिता साह समाजिक विकासमे संघसंस्थाक योगदानक चर्चा कएलन्हि । गैसस महासंघक केन्द्रिय महासचिव अर्जून भट्टराइ सहितक वक्तासभ बाजल छलथि ।

लेखक बारे