दूधमती समाचारदाता
जनकपुरधाम

मैथिली विकास कोषक आयोजनामे प्रत्येक महिनाक पहिल शनिदिन दिन होबएवला कथा गोष्ठी सम्पन्न भेल अछि । ओ कथा गोष्ठीमे विद्यार्थीक अतिरिक्त विभिन्न उमेरक कथाकारसभ कथा पाठ कएलन्हि ।
जनकपुरधामक रामानन्द चौक स्थित सीता प्यालेस होटेलमे आयोजित ओ कथा गोष्ठीमे मिथिला मन्टेश्वरी स्कूलक रितिका यादव प्रथम भेल अछि । जनक इरा स्कूलक अलिसा साह द्वितिय आ तृतिय आकृति महासेठ भेल अछि । प्रथमकेँ पाँच सय रुपैया आ पुस्तक तहिना द्वितियकेँ तीन सय आ तृतिया होबएवलाकेँ दू सय नगर आ पुस्तक प्रदान कएल गेल ।
विजेताक छनौट समितिमे कथाकार एवं समालोचक रोशन जनकपुरी आ कवि कथाकार प्रमोद कुमार झा रहथि । विजेतासभकेँ जनकपुरी, झा, शिक्षक एवं कथाकार गुड्डु झा आ विपिन मिश्र पुरस्कार प्रदान कएलन्हि ।
छात्रा कल्पना ठाकुरक अध्यक्षतामे भेल ओ कथा गोष्ठीमे कल्पनाक अतिरिक्त कोमल साह, अलिसा साह, प्रेरणा तिवारी, रिया यादव, स्नेहा चौधरी, रितिका यादव, आकृति महासेठ, शिवानी मिश्र, प्रमोदकुमार झा, विपिन मिश्र, सुजीत कुमार झा आ रोशन जनकपुरी कथा पाठ कएलन्हि ।
कथा लेखन सम्बन्धमे बजैत समालोचक एवं कथाकार जनकपुरी लेखनक लेल अध्ययनपर जोड देबए कथाकारसभसँ आग्रह कएलन्हि । एकटा कथा लिखबासँ पहिने दशटा काठ पढ़ए सालह दैत ओ कहलन्हि, ‘दोसरकेँ बढि़या कथा देखलासँ शिल्प क्षमता बढ़ैत अछि ।’
स्वागत मन्तव्य गुडडु झा आ साहित्य सम्बन्धि अनुभव प्रमोद कुमार झा सुनौलन्हि ।

लेखक बारे