दूधमती समाचारदाता
जनकपुरधाम

विद्यार्थी केन्द्रित मैथिली कथा गोष्ठी शनिदिन एक समारोह बीच सम्पन्न भेल अछि । मैथिली विकास कोषक आयोजनामे जनकपुरधामक सीता प्यालेस होटलमे भेल ओ कथा गोष्ठीमे मिट स्कूलक छात्रा कल्पना ठाकुर प्रथम भेल अछि । ओ गोष्ठीमे द्वितिय रिया यादव आ तृतीय प्रेरणा तिवारी भेल छलीह ।
छात्र युवराज मिश्रक अध्यक्षतामे भेल ओ गोष्ठीमे कल्पना ठाकुर, शिवानी मिश्र, अनामिका साह, स्नेहा चौधरी, रिया यादव, प्रेरणा तिवारी, ई. विनोद चन्द्र, पुनम झा मैथिली, गुड्डु झा, सुजीतकुमार झा सहितक कथाकारसभ कथावाचन कएलन्हि ।
विजयी कथाकारकेँ पुरस्कार वितरण करैत मैथिली विकास कोषक अध्यक्ष जीवनाथ चौधरी निरन्तर लेखनसँ विद्यार्थीसभमे सुधार भ रहल चर्चा कएलन्हि । ओ माघ १८ गतेसँ कोषक आयोजनामे होबएवला जनकपुरधाम साहित्य(कला तथा अन्तर्राष्ट्रीय नाट्य महोत्सव २०८० मे सभकेँ सहभागि होबए आग्रह कएलन्हि ।
विजयी कथाकारक छनौट काशीकान्त झा आ गुड्डु झा कएलन्हि । छनौट कथाप्रति बजैत काशीकान्त कहलन्हि सभ एकपरसँ एक छल के कम के बेसी बुझाइए नहि रहल छल । निरन्तर लेखनक नतिजा ई भेल अछि ।
समारोहमे कथा लेखनक तैयारी सम्बन्धमे ई. विनोदचन्द्र आ पुनम झा मैथिली छात्रा छात्राके जानकारी करौलन्हि ।
प्रत्येक महिनाक पहिल शनिदिन कोष मैथिली कथा गोष्ठी करैत अछि ।

लेखक बारे