मैथिली गजल

Byदूधमती साप्ताहिक

११ कार्तिक २०८०, शनिबार १२:३३ ११ कार्तिक २०८०, शनिबार १२:३३ ११ कार्तिक २०८०, शनिबार १२:३३

 सुधिर चन्द्र आचार्य
शब्द नहि अछि जे वर्णन् करु, रुप श्रृंगारके कि कहु
रचि–रचिक अहाँके गढ़लन्हि, ओहि कुम्हारके कि कहु

रङ यौवनक चढ़ल अहाँके, अङ–अङमे नशा नशा
देखि जुरायत नयना हमरो, शहर बजारके कि कहु

टोल मुहल्ला नगर डगरधरि, सगरो अहिके चर्चा
मुख्य समाचारमे अहाँ, ओहि अखबारके कि कहु

प्लान हमर बहुत दिन स, परल अछि जक थकमे
अहि पासपोर्ट भीसा हमर, दुवइ कतारके कि कहु

लेखक बारे