Home / राजनीति / मध्यमा परिक्रमा शुरु भऽ रहल, डोला आई राति हनुमाननगरमे रहत

मध्यमा परिक्रमा शुरु भऽ रहल, डोला आई राति हनुमाननगरमे रहत

सुजीतकुमार झा
जनकपुरधाम, फागुन १३ ।
१५ दिने मध्यमा परिक्रमा शुरु भऽ रहल अछि । परिक्रमाक लेल मिथिला विहारीक डोला आई जनकपुर आबि रहल मिथिला विहारी मन्दिर जनौलक अछि ।
रातिमे जनकपुरक हनुमानगरमे विश्राम करबाक कार्यक्रम रहल अछि । परिक्रमाक औपचारिक प्रारम्भ सीमावर्ती भारतक कल्याणेश्वरसँ होइत अछि । ओहिसँ पहिने जनकपुरमे विशेष स्वागत आ विदाई कार्यक्रमसभक आयोजना कएल गेल अछि ।
रत्नसागर मन्दिरपर डोला पहुँचलाक बाद मन्दिरक महन्थ बैकुण्ठ दास स्वागत करता । ओ मन्दिरमे समाजसेवी अमरचन्द्र अनिलक नेतृत्वमे विशेष कार्यक्रम राखल गेल अछि । ओहीठाम होरीके गीत संगेहि रंग अबिर खेलल जाएत । ओ कार्यक्रम दिनक १ बजेसँ राखल गेल अछि ।
नेपालक १ सय ७ किलोमिटर आ भारतक २३ किलोमिटर सहित कुल १ सय ३३ किलोमिटरक परिक्रमाक प्रारम्भ कलाणेश्वरसँ होइत अछि । फागुन प्रतिपदाक दिन भक्तजनसभ कलाणेश्वर पहुँचैत अछि । ओहिसँ एक राति पहिने अमावस्याक दिन जनकपुरक हनुमान नगरमे मिथिला विहारीक डोलासंग रातिमे विश्राम करबाक परम्परा रहल अछि ।

हनुमान नगरसँ कलाणेश्वर १३ किलोमिटर उत्तर पुर्वी क्षेत्रमे परैत अछि । कलाणेश्वरसँ गिरिजा स्थान डोला पहुँचैत अछि । १२ किलोमिटर रहल ओ स्थानमे त्रेतायुगमे भगवान राम आ जानकीक पहिल भेट भेल छल । दोसर पड़ावक रुपमे महोत्तरीक मटिहानी रहल अछि । तेसर पड़ाव जलेश्वर, चारिम मड़ै, पाँचम ध्रुवकुण्ड, छठम कञ्चनवन, सातममे क्षिरेश्वर नाथ महादेवक दर्शन करैत पर्वता, आठममे धनुषाधाम, नवममे सतोषर, दशममे औरही, एगारहम करुणा, बारहममे बिसौल आ एकरबाद कलाणेश्वरमे पहुँच परिक्रमा पुर्णाहुती होइत अछि । अन्तगृह परिक्रमाक लेल पुनः दर्शनार्थी जनकपुर अबैत अछि । पूर्णिमाक दिन जनकपुरमे अन्तगृह कएल जाइत अछि ।
परिक्रमामे हजारोके सहभागिता होइत अछि ।

About Sujeet Jha

Check Also

जनकपुरमा सडक विस्तार अभियान, उद्योगपति ओम शर्राफ र पूर्व मेयर बजरंग साहले घर तोड्न किन रोके ?

दूधमती समाचारदाता जनकपुरधाम जनकपुरको पुरानो बजार सोनापट्टीमा सडक विस्तार अभियान प्रभावकारी रुपले अगाडी बढीरहेको बेला …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com