मैथिली गीतःसुनू-सुनू याै हनुमान

Byदूधमती साप्ताहिक

२४ माघ २०७७, शनिबार ०२:३१ २४ माघ २०७७, शनिबार ०२:३१ २४ माघ २०७७, शनिबार ०२:३१

 

अशाेक दत्त

सुनू-सुनू याै हनुमान

लंकामे सीयाके शाेकके हरलाै

हमराे करु कल्याण

सुनू-सुनू याै हनुमान

वल-बुद्धिके अहाँ छी आगर

श्री राम जीके काज सम्हारल

अहाँक शरण हम आश ल एलाैं

हम अमरुख अज्ञान

सुनू-सुनू या‌ै हनुमान

सकुशल सीया सन्देश सुनाओल

आनि सञ्जीवनी लक्ष्मण जिआओल

संशय संकट रामके हरलाैं

दिअ हमराेपर ध्यान

सुनू-सुनू याै हनुमान

हृदय बीच सियाराम बसै छथि

अहाँके सुनाओल ओहाे सुनै छथि

हम दुखिया अपन सुनेलाैं

राखू हमराे मान

सुनू-सुनू याै हनुमान

यो पनि पढ्नु होस्

corona

corona update