Home / बातचित / जे सन्तुष्टि गरिबक सेवा कएलासँ होइत अछि ओतेक कथुसँ नहिः वैद्यनाथ साह, सामाजिक कार्यकर्ता

जे सन्तुष्टि गरिबक सेवा कएलासँ होइत अछि ओतेक कथुसँ नहिः वैद्यनाथ साह, सामाजिक कार्यकर्ता

किछु वर्ष भितर सामाजिक क्षेत्रमे अलग पहिचान स्थापित करएबला वैद्यनाथ साह एखन अपांगसभके ह्विलचेयर वितरण करएमे लागल छथि । कहिओ गरिबसभक घर निर्माण, घर मरम्मत तऽ कहिओ गरिबके डाक्टरलग लऽ जा कऽ इलाज करबैत छथि । अपनाके सेवकके संज्ञा देबएबला साहसंग दूधमतीक सम्पादक सुजीत कुमार झा बातचित कएलन्हि ।


प्र. एखन अपांगसभके ह्विलचेयर वितरणमे अपने लागल छियैक ?
हँ, धनुषा जिल्लामे अपांगसभके एतेक समस्या छैक हमरा नहि बुझल छल । जखन बुझलहुँ तऽ दातासभके खोजि कऽ अपांगसभके कोना इलाज कएल जाए, कोना ओसभ चलए फिरएमे लगैथ ताहि दिशामे काज करैत छी । १०÷११टा ह्विलचेयर विभिन्न स्थानमे वितरण कएलहुँ अछि ।

जल्दिए एक दू स्थानपर शिविर करब । किछुए दिन पहिने खजुरी गेल छलहुँ ओहिठाम ३०÷४०टा अपांग देखल गेल । ओहिठाम एतेक अपांग किए होइत अछि एकरा खोजी कऽ समाधान कएल जाए ताहि लेल विज्ञसभसंग बात कऽ रहल छी । ओहिठाम विशेषज्ञ चिकित्सकसभके लऽ जा कऽ शिविर करब । 

प्र. अपांगसभक लेल शिविर सेहो चलाबएके तैयारी कऽ रहल जानकारीमे आएल अछि ?


हँ, जल्दिए एक दू स्थानपर शिविर करब । किछुए दिन पहिने खजुरी गेल छलहुँ ओहिठाम ३०÷४०टा अपांग देखल गेल । ओहिठाम एतेक अपांग किए होइत अछि एकरा खोजी कऽ समाधान कएल जाए ताहि लेल विज्ञसभसंग बात कऽ रहल छी । ओहिठाम विशेषज्ञ चिकित्सकसभके लऽ जा कऽ शिविर करब ।
प्र. गरिबसभके इलाज अभियान कतए पहुँचलैक ?
अहुँ दिशामे हमरसभक काज चलिए रहल अछि । भुकसँ लोक नहि मरैक तहिना इलाजक अभावमे नहि मरैक ताहि दिशामे काज करए चाहैत छी । एखनो बहुतो लोकके स्वास्थ्य केन्द्रमे पहुँच नहि छैक । ओकरासभके कोना पहुँचाएल जाए ताहिमे लागल रहैत छी ।
प्र. गरिबक इलाज कोना करबैत छियैक ?
जे गरिबके इलाजक आवश्यक्ता होइत अछि ओ हमरासँ भेट करैत छथि तेहन बात नहि छैक । हम स्वयं पत्ता लगबैत रहैत छी पैसाक अभावमे लोकके समस्या कतए भऽ रहल छैंक । आ फेर ओ व्यक्तिके चिकित्सकलग लगेलहुँ । चिकित्सकसभ सेहो एहि काजमे हमरा सहयोग करैत छथि । अपरेशन केशमे बेसी पैसा खर्च होइत छैक दातासभसँ चन्दा सेहो उठबैत छी ।

हमरा राजनीतिमे आबएके एखनधरि सोच नहि अछि । जँ एहन रहैत तऽ तीनटा चुनाव भेलैक अछि कोनोमे हमहुँ पौदान पकरि लैतहुँ । जतेक सन्तुष्टि सामाजिक काज कएलासँ होइत अछि ओतेक कोनोसँ नहि । हमरा सेवक बनएमे बेसी सन्तुष्टि भेटैत अछि । 

प्र. गरिबके घर बनाबएबला काज सेहो अपने शुरु कएने छलियैक ?


हँ, ओहो चलिए रहल छैक । १०÷१२टा घरके मरम्मत वा निर्माण करेलहुँ अछि । वर्षातक समयमे एहिपर बेसी काज करैत छी । जाढक समयमे गरिबसभके कम्बल वितरण करैत छी । हमर सोच अछि जनकपुरधाममे किछु एहन घर बनैक जाहिमे सडकपर रहल लोकसभके रहएके व्यवस्था होइक । ओहिठाम भोजन सेहो भेटैक ।
प्र. ई काज कहिआधरि शुरु करब ?
हमर लक्ष्य आब इएह अछि । जे काजसभ कऽ रहल छी से चलिते रहत एकर अतिरिक्त सडकपर रहल व्यक्तिसभके घर उपलब्ध कराबी ताहिमे काज करब ।


प्र. अस्पतालमे सफाई सेहो शुरु कएने छलियैक ?
हँ ओ जारीए अछि । अस्पतालक अतिरिक्त विभिन्न धार्मिक स्थलसभके सफाई करिते रहैत छी ।

जनकपुरधामक वास्तविक सुन्दरता दू वर्षक बाद बुझएमे आओत । एखन जे काज भऽ रहल अछि ओ जनचेतनामूलक अछि । हप्तामे एक दिन सफाई कएलासँ जनकपुरधाम परिवर्तन नहि भऽ सकैत अछि । 

प्र. जनकपुरधाममे दर्जनो व्यक्ति सफाई अभियान चला रहल अछि मुदा एखनधरि एकटा जानकी मन्दिर सफाई नहि कऽ पाबि रहल अछि ?
जनकपुरधामक वास्तविक सुन्दरता दू वर्षक बाद बुझएमे आओत । एखन जे काज भऽ रहल अछि ओ जनचेतनामूलक अछि । हप्तामे एक दिन सफाई कएलासँ जनकपुरधाम परिवर्तन नहि भऽ सकैत अछि ।


प्र. सामाजिक क्षेत्रमे लोक लगैत अछि आ फेर राजनीतिमे चलि अबैत अछि अपने कहिआसँ राजनीतिमे एबैक ?
हमरा राजनीतिमे आबएके एखनधरि सोच नहि अछि । जँ एहन रहैत तऽ तीनटा चुनाव भेलैक अछि कोनोमे हमहुँ पौदान पकरि लैतहुँ । जतेक सन्तुष्टि सामाजिक काज कएलासँ होइत अछि ओतेक कोनोसँ नहि । हमरा सेवक बनएमे बेसी सन्तुष्टि भेटैत अछि ।
प्र. सामाजिक काज कएलासँ अपनेके व्यापारपर कतेक असर होइत अछि ?
थोरबहुत होइत अछि मुदा जे सन्तुष्टि गरिबक सेवा कएलासँ होइत अछि ओतेक कथुसँ नहि । दू तीन घण्टा समय हम गरिबेके सेवाक लेल छुट्यौने छी ।

About Sujeet Jha

Check Also

जनकपुरधामको धनुषापथ बाटोमा केही व्यक्तिको घर बचाउन मेयर लालकिशोर लागि परेका छन्ः प्रफुल्लराज घिमिरे, युवा नेता नेपाली कांग्रेस

प्र. जानकी मन्दिरदेखि शिव मिष्ठान हुँदै मिल्स एरिया जाने धनुषा पथ बाटोलाई लिएर तपाईहरु आन्दोलन …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com