Home / news / ७५ रुपैयामे बढियाँ शाकाहारी भोजन कराबएके लक्ष्यसंग काज आगा बढा रहल छीः ललित बजाज, नवनिर्वाचित अध्यक्ष मारवाडी सेवा समिति, जनकपुरधाम

७५ रुपैयामे बढियाँ शाकाहारी भोजन कराबएके लक्ष्यसंग काज आगा बढा रहल छीः ललित बजाज, नवनिर्वाचित अध्यक्ष मारवाडी सेवा समिति, जनकपुरधाम

मारवाडी सेवा समिति जनकपुरधामक अध्यक्षमे दोसर बेर ललित बजाज विजयी भेल छथि । लगातार दोसर जीत कोना सम्भव भेलैक आ हुनक आगामी योजना सम्बन्धमे दूधमतीक सम्पादक सुजीत कुमार झा हुनकासंग बातचित कएलन्हि ।


प्र. लगातार दोसर जीत कोना सम्भव भेलैक ?
काज करएके हमर तरिका आ आगामी कार्यकालमे हमराद्वारा देल वचन पूरा भेलाक बाद मारवाडी समाजक लोक जीता देलन्हि । हम फेरसँ चुनावो हुनके सभक आशिर्वादसँ लडल छलहुँ । अध्यक्ष पदमे भलेही ई हमर दोसर कार्यकाल अछि एहिसँ पहिने कोषध्यक्ष आ कार्यकारी सदस्य सेहो रहि चुकल छी ।
प्र. अपने कि सभ अपन पहिल्का अध्यक्षीय कार्यकालमे कएलियैक ?
पहिलबेर अध्यक्षमे चुनाव लडए काल जे वचन देने छलियैक जे समाजक आगा संकल्प लेने छलियैक तकरा पूरा कऽ कऽ छोडलियैक । विवाह हलके आधुनिक स्टाइलमे परिणत करएके, एसी हल, ओहिठाम खुल्ला भेलाक कारण चोरीक घटनासभ होइत छल तेकरा रोकबाक लेल चारुकात सेपरेट कएलियैक आ समाजक सहयोगसँ ९ महिना भितर तीन तल्लाक भवन बनौलियैक । किछु सपना रहि गेल छल तेकरा एहि कार्यकालमे पूरा करबाक छैक ।


प्र. एहि कार्यकालमे कि करबाक योजना छैक ?
जनकपुरधाम आबएबला पर्यटकके शुद्ध शाकाहारी भोजन कोना भेटैक एकर काज जल्दिए शुरु करब । जहिना ९ महिना भितर तीन तल्ला भवन बना देलियैक ठीक ओहिना मारवाडी सेवा समितिमे सस्ता आ बढियाँ शाकाहारी भोजन कराबएके लक्ष्य हिसाबसँ काज आगा बढा रहल छी ।
प्र. केहन भोजन भेटतैक ?
भात, दालि, तरकारी, मेथीक रोटी, फल्का, कढी, दूटा तरकारी आ एकटा मिठाई हमरसभक भोजनमे रहत । होटलो एसी बना रहल छी, सफाई सेहो अत्याधिक रहत । लोक प्रेमसँ भोजन करएके लेल मारवाडी सेवा समिति पहुँचैक तेहन वातावरण देब ।

मारवाडी सेवा समितिद्वारा शाकाहारी होटेल खोलएके कारणसँ सेवामूलक रहतैक । एकरा घाटा नहि लगैक ताहि लेल समिति सहयोग करत । समितिमे रहएबला ग्राहकके ७५ रुपैया आ बाहर रहल ग्राहकके १०० रुपैयामे भोजन कराओल जाएत । भोजन बनाबए बला सेहो राजस्थानसँ आनब ।

 

भात, दालि, तरकारी, मेथीक रोटी, फल्का, कढी, दूटा तरकारी आ एकटा मिठाई हमरसभक भोजनमे रहत । होटलो एसी बना रहल छी, सफाई सेहो अत्याधिक रहत । लोक प्रेमसँ भोजन करएके लेल मारवाडी सेवा समिति पहुँचैक तेहन वातावरण देब ।

प्र. होटेल व्यवसायिक रहतैक वा सेवामूलक ?


मारवाडी सेवा समितिद्वारा शाकाहारी होटेल खोलएके कारणसँ सेवामूलक रहतैक । एकरा घाटा नहि लगैक ताहि लेल समिति सहयोग करत । समितिमे रहएबला ग्राहकके ७५ रुपैया आ बाहर रहल ग्राहकके १०० रुपैयामे भोजन कराओल जाएत । भोजन बनाबए बला सेहो राजस्थानसँ आनब ।
प्र. सुनलहुँ अछि अपनेक भोजनबला योजनाके जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाक मेयर लालकिशोर साह बहुत प्रशंसा कएलन्हि अछि ?
हँ, हमरासभके जितलापर बधाई देबाक लेल ओ आएल छलथि । परिक्रमा सडक भितर मद्यमांश निषेध कएल जाए प्रसंग उठि गेलैक । हमहुँसभ कहलियैक जल्दिए ई योजना आनल जाए एहिपर ओ अहाँसभक शाकाहारी होटेल खुलिते ई योजनाके आगा बढाबएमे सहयोग पहुँचत बतौलन्हि । जल्दिए शाकाहारी होटेल खोलए हमरासभके ओ कहलन्हि । जनकपुरधामके धार्मिक पर्यटकीय शहर बनाबएके छैक तऽ शाकाहारी भोजन दिस जोड लगाबए पडत । जनकपुरधामक हरेक समाजक ईच्छा छैक ।


प्र. गरिब छात्रवृत कोष सेहो एहिबेर अपनेसभ लऽ कऽ आबि रहल छी ?
हँ, एहि छात्रवृतिक लेल मारवाडी सेवा समितिमे ७ लाख रुपैया अछि । ३ लाख आओर थपि कऽ १० लाखके कोष बनाएब । २५÷३० विद्यार्थीके १८ सयके दरसँ देल जाए ताहिके जल्दिए काज आगा बढाएब ।
प्र. चुनाव भेलाक बाद किछु मनमुटाव सेहो बढि गेल हेतैक मारवाडी बिच एकता बनाबए लेल अपनेसभक कि योजना अछि ?
मारवाडी समाज एकजुट अछिए । चुनाव प्रजातान्त्रिक तरिका छैक । चुनाव जाधरि नहि भेल ताधरि अलग अलग प्रचार कएलहुँ फेर सभ एक्के भऽ जाइत अछि । कतहुँ खटासक संकेत देखबामे आओत तऽ हम हुनकासभके घरे जा कऽ मिलाबएके प्रयास करब ।

 पहिने आन्दोलनसँ जनकपुरधामक व्यापारके बहुत बडका धक्का लगलैक आ फेर ६ महिनासँ सडक आ नालाक नामपर मूल बजार ठप्प अछि । व्यापारके भारी नोक्सान भेल छैक । मुदा ई बेसी दिन नहि रहतैक चुनाव जितते जनकपुरधामक मेयरसंग आग्रह कएलियैन्हि विद्यापति चौकसँ भानु चौकधरि आ जिरोमाइलसँ महावीर चौक होइत राम चौकधरि यथाशीघ्र सडक बना देल जाए । ओ वचनवद्धता व्यक्त कएलन्हि अछि । सडक नहि भेलाक कारण बाहरसँ पर्यटक नहि आबि रहल अछि । व्यापार व्यवसाय पूरे ठप्प अछि । मारवाडी व्यापारी पलायन नहि होइक एहिके लेल एकटा भेला कऽ कऽ रोकबाक प्रयास करब । एहिसँ अन्य जातिक व्यापारीसभके सेहो पलायन रुकत ।

प्र. जनकपुरधामक व्यापारीसभके पलायनक खतरा बढि गेल छैक मारवाडीसभके पलायन रोकबाक लेल कि करबैक ?
समग्रमे जनकपुरधामक लेल ई चिन्ताक विषय अछि । पहिने आन्दोलनसँ जनकपुरधामक व्यापारके बहुत बडका धक्का लगलैक आ फेर ६ महिनासँ सडक आ नालाक नामपर मूल बजार ठप्प अछि । व्यापारके भारी नोक्सान भेल छैक । मुदा ई बेसी दिन नहि रहतैक चुनाव जितते जनकपुरधामक मेयरसंग आग्रह कएलियैन्हि विद्यापति चौकसँ भानु चौकधरि आ जिरोमाइलसँ महावीर चौक होइत राम चौकधरि यथाशीघ्र सडक बना देल जाए । ओ वचनवद्धता व्यक्त कएलन्हि अछि । सडक नहि भेलाक कारण बाहरसँ पर्यटक नहि आबि रहल अछि । व्यापार व्यवसाय पूरे ठप्प अछि । मारवाडी व्यापारी पलायन नहि होइक एहिके लेल एकटा भेला कऽ कऽ रोकबाक प्रयास करब । एहिसँ अन्य जातिक व्यापारीसभके सेहो पलायन रुकत ।
प्र. जनकपुरधाममे परिवर्तन हेतैक ?

धार्मिक पर्यटनके बढावा देल जाए । एकर अर्थ ई नहि जे उद्योग व्यापारके प्रोत्साहन नहि देल जाए । एहि क्षेत्रमे देशके बडका बडका उद्योग अछि । मुदा धार्मिक पर्यटनके बढौलासँ बहुत परिवर्तन आओत । मुदा एहिके लेल भाषणवाजी मात्र नहि काज आगा बढाबए पडत ।

अवश्य । भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीक जनकपुरधाम भ्रमणक बाद पर्यटकके भीड बहुत बेसी बढल छल मुदा सडकसभ ठप्प भेलाक कारण समस्या भेल अछि । ६÷७ महिनामे सडकसभ बनि जाएत एकरबाद समस्या नहि रहि जाएत । पर्यटकके सीधे भीड बढत ।
प्र. पर्यटक कोना बढत ?


सभ लोक एकबेर जनकपुरधाम आबही चाहैत अछि । बढियाँ सडक नहि भेलाक कारण समस्या अछि । मुदा रेल जल्दिए शुरु भऽ रहल अछि । जनकपुर जटही सडक ६ लेन युद्धस्तरमे निर्माण भऽ रहल अछि । इएह स्थिति जनकपुर भिठामोड सडकके अछि । ई सभ भेलाक बाद पर्यटकके जनकपुरधाम आबएमे खासे समस्या नहि रहि जाएत । जनकपुरधाम हरेक समय भरलेजकाँ बुझाएत ।

एक वर्ष भितरे हम उद्योग खोलब । उद्योगक लेल हमरा लग जमिन अछि, लाइसेन्स सेहो मुदा बैंक लगानी नहि कएलाक कारण समस्या भेल अछि । मुदा आब जल्दिए खुजत ताहिमे आशावादी छी । ढल्केवरक लालभिठीमे मोबिलके उद्योग खोलब । ओहिठाम सरेश सर्राफजीके दूटा उद्योग अछिए ।

प्र. जनकपुरधामके कोन ढंगसँ विकास कएल जाए अपनेके लगैत अछि ?
धार्मिक पर्यटनके बढावा देल जाए । एकर अर्थ ई नहि जे उद्योग व्यापारके प्रोत्साहन नहि देल जाए । एहि क्षेत्रमे देशके बडका बडका उद्योग अछि । मुदा धार्मिक पर्यटनके बढौलासँ बहुत परिवर्तन आओत । मुदा एहिके लेल भाषणवाजी मात्र नहि काज आगा बढाबए पडत ।


प्र. कनी प्रसंग बदली, अपने सेहो उद्योग खोलएके कए वर्षसँ योजनामे छियैक कहिआधरि ओ साकार रुप लेतैक ?
एक वर्ष भितरे हम उद्योग खोलब । उद्योगक लेल हमरा लग जमिन अछि, लाइसेन्स सेहो मुदा बैंक लगानी नहि कएलाक कारण समस्या भेल अछि । मुदा आब जल्दिए खुजत ताहिमे आशावादी छी । ढल्केवरक लालभिठीमे मोबिलके उद्योग खोलब । ओहिठाम सरेश सर्राफजीके दूटा उद्योग अछिए ।

About Sujeet Jha

Check Also

पाग रैलीके शक्ति प्रदर्शन नहि, पहिरन प्रदर्शनक रुपमे लेल जाएः भगवान झा, केन्द्रिय अध्यक्ष मैथिल व्राह्मण महासभा

मैथिल ब्राह्मण महासभा जनकपुरधाममे पाग रैली निकाल्ने छल । देशक १४ जिल्लाक ५ हजारसँ बेसी …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com