Home / बातचित / पाग रैलीके शक्ति प्रदर्शन नहि, पहिरन प्रदर्शनक रुपमे लेल जाएः भगवान झा, केन्द्रिय अध्यक्ष मैथिल व्राह्मण महासभा

पाग रैलीके शक्ति प्रदर्शन नहि, पहिरन प्रदर्शनक रुपमे लेल जाएः भगवान झा, केन्द्रिय अध्यक्ष मैथिल व्राह्मण महासभा

मैथिल ब्राह्मण महासभा जनकपुरधाममे पाग रैली निकाल्ने छल । देशक १४ जिल्लाक ५ हजारसँ बेसी मैथिल व्राह्मणसभक सहभागिता रहल ओ रैलीमे पाग पहिर कऽ जनकपुरधामक परिक्रमा कएल गेल छल । एहन रैलीक औचित्य कि एहिसँ मैथिल व्राह्मणसभके कि फाइदा हएत सहितक विषयमे महासभाक अध्यक्ष भगवान झासंग दूधमतीक सम्पादक सुजीत कुमार झा बातचित कएलन्हि ।


प्र. अपनेसभक पाग रैली केहन रहल ?
जे सोचके संग रैलीक आयोजना कएने छलहुँ ओहिसँ किछु बेसीए भव्य रहल । एखन लगनपातीक समय अछि तेकरबादो एहि रुपसँ लोकके सहभागिता रहल नगरमे मात्र नहि जतए ततए चर्चा भऽ रहल अछि । देशक १४सँ बेसी जिल्लाक मैथिल व्राह्मणसभक सहभागिता छल ।
प्र. पागे रैली किए ?
मैथिल व्राह्मणसभक पहिचानसँ धोती, कुर्ता, दोपटा आ पाग जुडल अछि । मैथिल व्राह्मणसभक उपनयन भेल, विवाह, द्विरागमन, कोजगरा, भगवानक पूजा सभठाम ई पहिरन रहैत अछि । अपनसभक पहिरनके किए नहि प्रदर्शन कएल जाए । फेर नव पीढिमे परम्परा हस्तान्तरण करबाक लेल एहन कार्यक्रमसभ आवश्यक अछि ।


प्र. एहिसँ नव पीढिमे कोना हस्तान्तरण हेतैक ?
अपन भाषा, अपन संस्कृति, अपन परम्परा कि अछि से बुझावए पडैत छैक । पहिने लोक गाममे रहैत छल बाबा, काका सभलग देखिते देखिते सीख लैत छल । मुदा आब ओ अवस्था नहि अछि । भोरसँ साँझधरि बच्चासभ पढाईमे लागल रहैत अछि, नोकरीहारासभ अपन काजमे लागल रहैत अछि अपन परम्परा कि अछि से बुझाबएके लेल एहिसँ बढियाँ माध्यम आओर दोसर नहि भऽ सकैत अछि ।
प्र. मैथिलीक एकटा संस्कृतिविद धीरेन्द्र प्रेमर्षि पागमे दाग लागल एहन टिप्पणी कएलन्हि अछि ?
धीरेन्द्रजी हमरसभक महासभाक सदस्य सेहो छथि । हुनका लागल हएत व्राह्मणसभ धोती कुर्ता आ पाग पहिर कऽ बजार घूमलासँ दाग लागि गेल । मुदा हमसभ एकरा गौरवके रुपमे लैत छी । जाहि प्रकारक सहभागिता रहल सभठाम एकर चर्चा भऽ रहल अछि ।


प्र. एखन चुनावक समय सेहो नहि छैक एहन समयमे व्राह्मणसभक शक्ति प्रदर्शनक औचित्य कि ?
एकरा हमसभ शक्ति प्रदर्शनक रुपमे नहि लैत छी । हमरसभक पहिरनके प्रदर्शन मात्र छल । जँ शक्ति प्रदर्शनक बात करितहुँ तऽ धनुषा निर्वाचन क्षेत्र नम्बर ३मे २५ हजार व्राह्मण मतदाता अछि । आओर स्थानके बात करब तऽ ई संख्या बहुत बेसी भऽ जाएत ।
प्र. मात्र पहिरनक प्रदर्शन लोकके गलासँ निचा नहि उतरि रहल अछि ?
लोकके विश्लेषण करबाक छुट छन्हि ओ सभ जाहि प्रकारसँ विश्लेषण करैथि । मुदा हमसभ साकारात्मक सोचके संग काज कऽ रहल छी । व्राह्मण मात्र एहन जाति अछि जे सभ जातिके कल्याणक बात करैत अछि ।


प्र. मुदा ईहो सत्य अछि देशमे संघियता एलाक बाद प्रदेश २मे मैथिल व्राह्मण सभ जातिके निशानापर अछि ?
व्राह्मणके गरियौलासँ किनको फाइदा नहि भऽ सकैत अछि । एखन ककरा बेसी लाभ भऽ रहल छैक लोकसँ नुकाएल नहि अछि । तखन हमसभ प्रतिक्रिया नहि दैत छी । जे गरियाबैति अछि हुनका यथार्थताके ज्ञान होइत अछि फेरसँ मैथिल व्राह्मणसभके स्नेह करए लगैत छथि ।
प्र. पागके उत्थानक बात सेहो रैलीमे उठल छल ?
हँ, एकरा उत्थानक लेल मैथिल व्राह्मण महासभा काज करत । जनकपुरधाम, जलेश्वर, राजविराज सहितक स्थानसभमे वर्षोसँ पागक माँग बहुत रहलाक बादो मधुवनी, बेनिपट्टी, दरभंगासँ मँगबाबएके बाध्यता छल । मुदा किछु लोक आब एम्हरो बनाबए लागल अछि । हमसभ गरिबसभके उत्थानक लेल कुटिर उद्योग खोलब ।

प्र. केहन कुटिर उद्योगके अपने बात कऽ रहल छियैक ?
मैथिल व्राह्मण महासभाक २२ जिल्लामे संगठन अछि । हमसभ वार्ड वार्डमे संगठन विस्तार कऽ रहल छी । फेर एक गाममे एकटा कुटिर उद्योग खोलब से सोच अछि । जाहिमे कोनो गाममे पागके उद्योग तऽ कोनो गाममे जनउके आ कोनो गाममे कुम्हरौरी, अदौरी, तिलौरी, अरिकोँच, सुखौँट, अचार सहितक मैथिल भोजनक परिकारसभक उद्योग खोलब ।


प्र. उद्योग स्थापनाक समस्या नहि अछि एकर बजारीकरण कोना हेतैक से बडका समस्या छैक ?
एतेक बडका संगठन हमरा सभ लगमे अछि फेर मस्तिष्क सेहो अछि तएँ एकर बजारीकरणक समस्या नहि हेतैक । उद्योग जतेक उत्पादन करतैक ओतेक बजारमे चलि जेतैक एहिपर सेहो हमसभ काज शुरु कऽ देने छी ।
प्र. अन्तमे व्राह्मणसभमे देखल गेल अशिक्षा, दहेज ई समस्यासभके समाधानक दिशामे मैथिल व्राह्मण महासभा सेहो किछु काज करतैक कि ?
अवश्य । दहेजक कारण मैथिल व्राह्मणसभ पाछा पडल अछि ई बात लोक बुझए लागल अछि । एकर कारण एहिमे कमी सेहो आएल अछि । पहिने बिना दहेजक बाते नहि होइत छल आब बिना दहेज लेबए बलाके सम्मानक दृष्टिसँ देखए लागल अछि । एकर साकारात्मक प्रभाव पडि रहल अछि । पढाईपर सेहो हमसभ जोड देब । अभिभावकसभके जागृत करब । पढाई बिना किछु सम्भव नहि छैक ।

About Sujeet Jha

Check Also

प्रदेश २क मन्त्रीसभ संगठनके नजरअन्दाज करैत छथिः संजय कुमार चौधरी, केन्द्रिय सदस्य राष्ट्रिय जनता पार्टी नेपाल

संघिय समाजवादी फोरम आ राष्ट्रिय जनता पार्टीक गठबन्धनक नेतृत्वमे रहल प्रदेश सरकारक कामकाजसँ असन्तुष्टि जनतामे …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com