Home / अभियान / दूधमतीक संरक्षणक लेल जनप्रतिनिधिपर दवाब बनाबए पड़त

दूधमतीक संरक्षणक लेल जनप्रतिनिधिपर दवाब बनाबए पड़त

विष्णु कुमार भण्डारी
जानकी महिला जागरण समाज
जनकपुरवासी सेहो आब सरसफाई दिस आगा बढए लागल छथि । विश्वभरि अखन जल संरक्षणक लेल अभियान चदाओल जा रहल अछि । एहिमे जनकपुरवासी सेहो योगदान पहुँचा रहल छथि । जे खुशीक बात अछि । पहिने गंगासागर पोखरिके सरसफाई कऽ एतुका लोक ओहिके पूजनीय बनौलथि । आब दूधमतीक सफाई कऽ ओहिके सेहो पूजनीय बनाबएके दिशामे पहल करए पड़त ।

ओना खुशीक बात ई जे किछु गोटे मील कऽ दूधमती सरसफाईमे दिन राति लागल अछि । हमराअहाँके ओ अभियानीसभके सहयोग करबाक चाही । हुनकर सभक मेहनत एकदिन जरुर रंग लाओत हमरा विश्वास अछि ।

जानकी मन्दिर जहिना हिन्दुसभक आस्थाक केन्द्र अछि ठीक ओहिना जानकी माता स्नान कएने नदी दूधमती सेहो आस्थाक केन्द्र बनत । यदि जनकपुरवासी तन मोन धनसँ लागे तखन मात्रे । ओना हमरा विश्वास अछि जे एक दिन जरुर दूधमती आस्थाक केन्द्र बनत ।
ओना खुशीक बात ई जे किछु गोटे मील कऽ दूधमती सरसफाईमे दिन राति लागल अछि । हमराअहाँके ओ अभियानीसभके सहयोग करबाक चाही । हुनकर सभक मेहनत एकदिन जरुर रंग लाओत हमरा विश्वास अछि ।

जानकी मन्दिर जहिना हिन्दुसभक आस्थाक केन्द्र अछि ठीक ओहिना जानकी माता स्नान कएने नदी दूधमती सेहो आस्थाक केन्द्र बनत ।

दूधमतीक संरक्षणक लेल सभसँ बेसी जनप्रतिनिधिसभके दायित्व बोध होबए चाही । जे जे गाउँपालिका वा नगरपालिका होइत ई नदी बहैत अछि ओहि ठामक जनप्रतिनिधिके स्थानीयवासीसभसंग समन्वय कऽ कऽ एकटा योजनाक अनुरुप दूधमतीक संरक्षणके लेल आगा बढबा चाही । ई अभियान मात्रे ओना पर्याप्त नहि अछि दूधमतीक संरक्षणक लेल ।

एकर संरक्षणके लेल दूधमतीक ऐतिहासिकता प्रचार प्रसार जनकपुरसँ बाहर सेहो करब आवश्यक बुझाइत अछि । एहि अभियानमे संचार माध्यमसभके सेहो पहल करब नितान्त आवश्यक अछि । 

एकर संरक्षणके लेल दूधमतीक ऐतिहासिकता प्रचार प्रसार जनकपुरसँ बाहर सेहो करब आवश्यक बुझाइत अछि । एहि अभियानमे संचार माध्यमसभके सेहो पहल करब नितान्त आवश्यक अछि । तहिना एकर दुनू किछारमे सौन्दर्यीकरणक योजनासभ आनए पड़त । सम्बन्धित निकायसभके एहिसँ जोडए पड़त । यदि इमान्दारी पूर्वक एतेक काज अपना अपना स्थानसँ जनकपुरवासी कएलक तऽ एकर निर्मल पानिक आनन्द फेरसँ हम अहाँ उठा सकैत छी ।

About Sujeet Jha

Check Also

स्थानीय स्तरसँ संरक्षणक पहल हुए

विरेन्द्रलाल कर्ण नेता  राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी राष्ट्रवादी दूधमती जनकपुरक ऐतिहासिक आ धार्मिक महत्व अपन जलमे …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Facebook Auto Publish Powered By : XYZScripts.com